काठमाण्डूके आकाश साफ होएमे समय लागत


काठमाण्डू, २१ चैतः विगत किछ दिनसँ वायु प्रदूषणके कारण काठमाण्डू उपत्यकामे गुम लागल बादल हटएमे आओर किछ दिन लागत । काइल शुक्रदिनसँ वायुके वेग आजुक तुलनामे बेसी रहबाक सम्भावना भेलासँ क्रमशः सुधार होइत आकाश साफ हएत मौसमविद् बिनु महर्जन राससकेँ बतौलैन ।

हाल राजधानी उपत्यकामे वर्षा होबाक अवस्था नै रहल मुदा क्रमशः आकाशसँ बादल हटबाक लक्षण देखाएल ओ बतौलैन । बुधदिनके तुलनामे आइ तापक्रम सेहो किछ घटल जानकारी दैत ओ काइलसँ फेर क्रमशः तापक्रम सेहो बढ़बाक जानकारी देलैन । जल तथा मौसम पूर्वानुमान महाशाखाक अनुसार हाल देशमे पश्चिमी वायु तथा स्थानीय वायुके आंशिक प्रभाव रहल तथा लुम्बिनी प्रदेशसहित देशक पहाड़़ी भू–भागमे आंशिक बदली भेल अइछ । रासस । (प्रतिकात्मक एआइ तस्वीर)

ताजा खबर
लोकप्रिय