सिरहा, २८ चैत: इलाका प्रशासन कार्यालय लहानक अगुवाइमे लहान स्थित राजमार्ग निकट होटलसभमे अनुगमन शुरू कएल गेल अइछ। अनुगमनक क्रममे बुधदिन अन्तिम उपभोग समय पार भ चुकल पेयपदार्थ आ सड़ल-गड़ल खानेकुराक बिक्री वितरण केनिहार चाइर टा होटलकेँ ३० हजार टकाके जरिवाना कएल गेल अइछ।
इलाका प्रशासन कार्यालय लहानक अधिकृत सन्तोष रायक नेतृत्वमे खाद्य तथा गुण नियन्त्रण कार्यालय राजविराज, घरेलु तथा साना उद्योग कार्यालय लहान, आन्तरिक राजस्व कार्यालय लहान, इलाका प्रहरी कार्यालय लहान, उपभोक्ता मञ्च नेपाल सिरहा सहितक प्रतिनिधिसभसँ संयुक्त टोलीद्वारा होटलसभके अनुगमन प्रारम्भ कएल गेल अइछ ।
संयुक्त टीम लहान–१ स्थित कान्छा होटलसँ म्याद समाप्त ‘बडविसर’ ब्रान्डक ३७ बोतल बियर जफत क नष्ट केलक आ ओहि होटलकेँ ५ हजार टका जरिवाना लगाएल गेल। तहिना, लहान–४ स्थित होटल गोधुल्लीमे भान्सामे खाद्य सामग्री खुल्ला राखल, फ्रिजमे बनाएल आ नै बनाएल मासु एक सङ राखल गेल आ साफ-सफाईमे लापरबाही देखल गेल कारण ५ हजार टका जरिवाना कएल गेल अइछ।
एहि प्रकारे, लहान आँइख अस्पताल परिसरमे रहल किरान स्विट्स एन्ड भोजनालयमे अखाद्य सामग्री प्रयोग, खाद्यके झापै लेल पत्रपत्रिकाक प्रयोग, आ भान्साक निकट गन्दा राखलासँ १० हजार रजरिवाना लगाएल गेल। ओही होटलक सामने रहल रिषिका जनरल स्टोर्समे म्याद पार ३८ बोतल कोल्ड ड्रिंक्स भेटलाक कारण १० हजार जरिवाना कएल गेल, सङे इजाजत बिना अन्तःशुल्कजन्य वस्तुक बिक्री देखल गेल, जाहिकेँ जफत क आन्तरिक राजस्व कार्यालय लहानक जिमा देल गेल छै।
अनुगमनक क्रममे होटल सम्राट इन आ चौधरी होटलद्वारा आधारभूत होटल मापदण्डकेँ पालन कएल जाइत देखल गेल, एहि कारण ओहि दू गोटेकेँ सचेतीकरण मात्र देल गेल जानकारी अधिकृत सन्तोष राय देलैन।
ओ कहलैन, “नव वर्ष २०८२ आ वैशाख १ गते फूलबारी मेलामे लाखों भक्तजनक आगमनक ध्यानमे राइख ग्राहकक स्वास्थ्य सङ खेलबाड़ नै होए, एहि उद्देश्यसँ अनुगमन शुरू कएल गेल अइछ।” ओ कहलैन जे उपभोक्ताक स्वास्थ्य सङ लापरबाही करनिहार होटलसभकेँ कानून अनुसार जरिवाना कएल गेल अइछ आ अगिला दिनमे सेहो बजार अनुगमनकेँ निरन्तरता देल जाएत ।रासस
—






