राष्ट्रिय सुरक्षाक लेल सक्षम जनशक्ति आवश्यक: प्रधानमन्त्री


भक्तपुर, २९ चैतः प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली नेपाली सेनाक विभिन्न सिसमके अधिकृत क्याडेट तालिमके आयुक्त पद प्रदान तथा कवाज प्रदर्शन निरीक्षण कएलैन अइछ । भक्तपुरके खरिपाटीस्थित नेपाली सैनिक प्रतिष्ठानमे आइ आयोजित कार्यक्रममे ओ सुरक्षा परिवेश गतिशील, बहुआयामिक आ चुनौतीपूर्ण भेल समय नेपालके राष्ट्रिय सुरक्षाक लेल सक्षम जनशक्ति आजुक आवश्यकता भेल बतौलैन । प्रधानमन्त्री ओली राष्ट्रिय सुरक्षाक सङे विपद् जोखिम न्यूनीकरण आ शान्ति सेनाक माध्यमसँ सेनाक योगदानके सराहना कएलैन । ओहि अवसरमे ओ उत्कृष्ट पदिक आ अधिकृतकेँ पुरस्कारस्वरुप ‘खुकुरी’ प्रदान कएने छल । कार्यक्रममे प्रथम महिला राधिका शाक्य, रक्षामन्त्री मानवीर राई, प्रधानमन्त्रीक मुख्य सल्लाहकार विष्णुप्रसाद रिमाल, प्रधानसेनापति अशोकराज सिग्देलसहित सहभागी छलैथ । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको