काठमाण्डू, २९ चैतः नेपाल आ भारतक बीच वैदेशिक व्यापारकेँ आओर सहज आ सरल बनेबाक सङे अवैध व्यापार आ राजस्व चुहावटपर नियन्त्रण केन्द्रित क काठमाण्डूमे वृहस्पैतदिनसँ चइल रहल भन्सार अधिकारीसभक वार्ता सम्पन्न भेल अइछ।
दुनु पक्ष कागजविहीन (पेपरलेस) भन्सार प्रक्रिया अपनबैत व्यापारकेँ सहज बनेबाक, लजिस्टिक्स लागत घटेबाक आ अनधिकृत व्यापारपर नियन्त्रण लेल आपसी सहकार्य करबाक सहमति व्यक्त कएलैन। भन्सार विभागक महानिर्देशक महेश भट्टराई जानकारी देलैन जे, नेपालक राष्ट्रिय एकद्वार प्रणाली मार्फत जारी होएबला उत्पतिक प्रमाणपत्रकेँ भारतद्वारा मान्यता देबामे सहमत भेल अइछ।
ओहि सङे, आयात–निर्यात सम्बन्धी पूर्वसूचना आदान–प्रदानक लेल समझदारी कएल जाएत, भन्सार सम्बन्धी आपसी सहयोगक सम्झौता आगू बढ़ाएत आ सीमावर्ती क्षेत्रसभमे आवश्यक भौतिक पूर्वाधार निर्माण क व्यापार प्रवर्द्धन करबाक विषयपर सेहो दुनु पक्ष सहमत भेल अइछ।
नेपाल–भारत सीमाक्षेत्रमे क्वारेन्टिन सुविधा विस्तार करबाक, तेसर देशसँ भारत होइत नेपाल आबै-जाएबला रेलमार्ग व्यापारमे प्रयोग भ रहल विद्युतीय कार्गो ट्र्याकिङ प्रणाली (इसिटिएस)केँ सड़कमार्ग (ट्रक)धैर विस्तार करबाक सङे लागत घटेबाक सहमति भेल अइछ। भैरहवा आ चाँदनी दोधारा क्षेत्रमे निर्माणाधीन एकीकृत जाँच चौकी (आइसिपी) सभकेँ शीघ्र निर्माण क सञ्चालनमे आनबाक आ विराटनगरमे रेल कार्गो सेवा प्रारम्भ करबाक विषयपर सेहो बातचित आ सहमति भेल अइछ।
ई वार्ता चैत २८ गतेसँ शुरू भ क आइ सम्पन्न भेल। वार्तामे नेपालक प्रतिनिधिमण्डलक नेतृत्व भन्सार विभागक महानिर्देशक महेश भट्टराईद्वारा कएल गेल छल, भारतक पक्षसँ राजस्व इन्टेलिजेन्स निर्देशनालयक महानिर्देशक अभय कुमार श्रीवास्तव नेतृत्व कएने छलैथ। रासस





