लहानमे सलहेश फूलबारी मेला


सिरहा, १ वैशाख ।  नयाँ साल वैशाख एक गते मात्र फूला रहल ‘सुनाखरी फूल’के देखबाक लेल आ मन्दिरमे पूजापाठ करबाक लेल लहान नगरपालिकास्थित सलहेश फूलबारीमे मेलाके रौनक पसरल अइछ । ई फूलबारी नौँ बिघा क्षेत्रफलमे पसरल अइछ ।

वैशाख १ गते होएबला मेलाके पूर्वसन्ध्यामे आइ दुपहरेसँ फूलबारीमे भक्तसभके दौड़धुप बढ़ल अइछ । मेला समितिक अध्यक्ष जयकान्त चौधरीक अनुसार काइल वैशाख १ गते होएबला मेलाके सम्पूर्ण तैयारी पूरा भेल अइछ ।

ओ कहलैथ, “मेलाकेँ व्यवस्थित बनाबए स्वयम्सेवक परिचालन, व्यापारिक ‘स्टल’सभ बनेबाक सहज रुपमे श्रद्धालुकेँ पूजास्थलधैर पहुँचबाक प्रबन्ध कएल गेल अइछ । मेलाकेँ व्यवस्थित करए लेल सओ गोटे स्वयम्सेवक परिचालन गेल कएल अइछ तँ भीड़केँ व्यवस्थित करबाक लेल स्थानीय प्रहरी प्रशासनसङे समन्वय कएल गेल अइछ । ”

मेलामे नेपाल तथा भारतसँ हजारौँ दर्शणार्थी आबैत छैथ । दू दिन पहिनेसँ भारतके विभिन्न राज्यसँ हजारौँ दर्शणार्थी मेलास्थलेमे रुकल छैथ ।

प्राकृतिक, सांस्कृतिक एवम् धार्मिक पर्यटकीय सलहेश फूलबारी क्षेत्र लहान बजारसँ चाइर किलोमिटर पश्चिम–दक्षिणमे छै । सहलेश मन्दिरक पुजारी जीतेन्द्र धामीके अनुसार १४ म् शताब्दीक राजा जयवर्धन सलहेसके सौर्य, पराक्रम, वीरता, साहस आ प्रेमसँ जुड़ल गाथासभके स्मरणस्वरुप एत प्रत्येक वर्ष वैशाख १ गते मेला आयोजन होइत आएल अइछ । एत नयाँ सालके एक दिनमात्रे हारमके गाछीमे माला आकारके सुनाखरी फूल फूलाइ छै आ सएह दिन साँझमे झैर जेबाक किम्वदन्ती अइछ । ताहि फूलके देखै लेल तथा मन्दिरमे पूजापाठ करए लेल धार्मिक पर्यटक आइब रहल अइछ ।

राजा सलहेश मिथिलाक पासवान जातिक इष्टदेव रहितो प्राय: सम्पूर्ण मिथिलावासीमे सलहेश प्रति अधाव श्रद्धा अछि। तेहम् शताब्दीक लोकनायक सलहेशके पूजाअर्चना कएलासँ सन्तानप्राप्ति, चर्मरोग, कुष्ठरोगसहित रोग नाश होबाक जनविश्वास अइछ ।

सरकार सहलेशकेँ धार्मिक पर्यटकीय गन्तव्यके सूचीमे समावेश क चुकल अइछ । स्थानीय, प्रदेश तथा नेपाल सरकार आ एहि क्षेत्रमे क्रियाशील सरोकारवाला सङ्घ संस्था फूलबारी व्यवस्थापनक लेल एकीकृत गुरुयोजना बना क काज करबाकमे सिरहा उद्योग वाणिज्य सङ्घ अध्यक्ष विकाश सारडा जोड़ देलैन । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको