शिक्षामन्त्रीके राजीनामा स्वास्थ्यके कारण आएल छै : प्रधानमन्त्री


काठमाण्डू, ९ वैशाख  । प्रधानमन्त्री केपी शर्आ ओली शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री विद्या भट्टराई स्वयंसङ असहमति नै भ स्वास्थ्यके कारण राजीनामा देल गेल स्पष्ट कएलैन अइछ ।

नेपाल कम्युनिष्ट पार्टीके ७६म् स्थापना दिवसके अवसरमे आइ आयोजित कार्यक्रममे प्रधानमन्त्री ओली मन्त्री भट्टराईके राजीनामाकेँ प्रधानन्त्रीके असहयोग आ उपेक्षाक कारण कइह क बाहर चर्चा कएने असन्तुष्टिबारे उल्लेख करैत कहलैथ, “ हुनका काजमे लगा रहल छी । सहयोग क रहल छी । सिखा रहल छी । पैघ मन्त्रालय छै, एखन स्वास्थ्य ठीक नै छै कहिक राजीनामे देलक । एहिमे अन्य प्रचारबाजी करबाक कोनो अर्थ नै छै ।”

नेपाली कांग्रेसक’ सभापति शेरबहादुर देउवा स्वास्थ्य परीक्षणके लेल बैङ्कक गेल सन्दर्भकेँ सेहो सरकार खसत से किसिमके हल्लासँ जोइर रहल टिप्पणी करैत प्रधानमन्त्री ओली एमाले आ कांग्रेससङके सहमतिबमोजिम १५ महिनाबाद स्वयं सभापति देउवाकेँ प्रधानमन्त्री हस्तान्तरण करबाक बतौलैन ।

ताजा खबर
लोकप्रिय