साउदी अरबमे अलपत्र नेपालीके उद्धार करबाक मांग


काठमाण्डू, ३१ वैशाखः प्रतिनिधिसभाक आजुक  बैसारमे नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)क मुख्य सचेतक महेश कुमार बर्तौला साउदी अरबमे रोजगारदाता कम्पनी बन्द भ अलपत्र नेपालीके उद्धार करए लेल सरकारक ध्यानाकर्षण कराैने अइछ । बैसारके आपातकाल समयमे ओ साउदी अरबके जुवेल शहरमे सेन्ड्रन इन्टरनेसनल कम्पनी लिमिटेड बन्द भेलाक बाद उक्त कम्पनीमे कार्यरत चाइर सओ ६९ गोटे भोथियाएल नेपालीकेँ तत्काल उद्धार आ सहयोग करबाक लेल सरकारक ध्यानाकर्षण करेलैथ ।

“रोजगारदाता कम्पनी बन्द भेलासँ कामविहीन भेल चाइर सओ ६९ मध्ये दू सओ २६ गोटे नेपाल आबैक लेल इच्छुक छै । ताहि ठाँमक दूतावासमे सम्पर्क क ओसभ नेपाल आबैक लेल इच्छुक रहल कहने छै” सांसद बर्तौला कहलैथ, “रोजगारविहीन दू सओ ४३ गोटे नेपाल अन्य कम्पनीमे काज करैबला वातावरण मिलेबाक आग्रह केलक अइछ।”

कम्पनी बन्द भेलाक बाद दू महिनासँ नौ महिनाके तलब सेहो नेपाली कामदार नै भेटल कहैत ओ तलबके लेल कम्पनीके व्यवस्थापनकेँ बेरबेर ध्यानाकर्षण करेलोपर कोनो वास्ता नै कएने ओ सदनकेँ जानकारी करेलैथ ।

“कामविहिन भेलोपर उक्त नेपालीसभ एखन शिविरमे छै, ताहि ठाँम खाएके समस्या छै,  बेमार भ रहल छै, स्वास्थ्य उपचार नै भेल छै ,” सांसद बर्तौला कहलैथ, “नेपाल आबैबला भिसा बन्द भेलासँ स्वदेश नै आइब सकल अइछ, यथाशीघ्र उक्त नेपालीके उद्धार क आवश्यक सहयोग आ सहजीकरण करबाक लेल सरकारसँ आग्रह करैत छी ।” रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको