काठमाण्डू, १० अखारः सरकार ‘एक विद्यालय, एक नर्स’ कार्यक्रममे देशभैरके एक हजार ५४६ सामुदायिक विद्यालयमे सञ्चालन केलक अइछ ।
स्वास्थ्य सेवा विभागक महाशाखा निर्देशक हीरादेवी निरौला अनुसार धीयापूताक इलाजके लेल नर्स राखल गेल बतौलैन । जाहिमे ३२७ संघीय सरकार आ बाँकी प्रदेश तथा स्थानीय तहके सरकारक समन्वयमे नर्स राखल गेल अइछ । ‘विद्यालय स्वास्थ्य तथा नर्सिङ सेवा कार्यक्रम’ मार्फत ‘एक विद्यालय, एक नर्स’ कार्यक्रम सञ्चालन क बालबालिकाकेँ स्वास्थ्य सेवा उपलब्ध करा रहल ओ बतौलैन ।
“विद्यालय तहमे धीयापूताक स्वास्थ्य इलाजक लेल नर्सके दरबन्दी शुरू कएने छी”, निर्देशक निरौला कहलैन ।
नर्स विद्यार्थीके पोषणके अवस्था, विद्यालय आएल/नै आएल बारेमे जानकारी, खुनके कमी लगायत परीक्षण तथा स्वास्थ्य सम्बन्धित सलाहसुझाव देत ।
सरकार आव २०७६/७७ मे विद्यालयमे स्वास्थ्य समस्या समाधान करए लेल आ विद्यार्थीक माध्यमसँ अभिभावककेँ स्वास्थ्यसम्बन्धी जनचेतना फैलेबाक उद्देश्यसँ ‘एक विद्यालय एक नर्स’ कार्यक्रम बागमती प्रदेशसँ पाइटल कार्यक्रमके रूपमे सञ्चालन कएने छल । ‘एक विद्यालय, एक नर्स’ कार्यक्रमअन्तर्गत नर्स विद्यालयके एक छात्रा आ छात्रकेँ स्वास्थ्य राजदूत बना क स्वास्थ्य जनचेतना फेलेबाक कार्यक्रम सेहो सञ्चालन करैत आएल अइछ । रासस





