वीरगञ्ज (पर्सा), १ जेठः अत्यधिक गर्मीक कारण वीरगञ्ज महानगर क्षेत्रके विद्यालयमे भोरसँ पठनपाठन प्रारम्भ भेल अइछ ।
वीरगञ्ज महानगरके निर्णयअनुसार आइसँ महानगर भित्रके सामुदायिक तथा संस्थागत विद्यालयमे भोरी सत्रमे पठनपाठन शुरू भेल अइछ । दोसर सूचना जारी नै भेला धैर भोर समयमे ६ बजेसँ अध्यापन हएत ।
महानगरपालिकाके अनुसार वीरगञ्ज नगर क्षेत्रमे ९२ सामुदायिक आ १३८ टा निजी विद्यालय छै तँ सामुदायिक विद्यालयदिस २१ माध्यमिक, १५ आधारभूत, ५५ टा प्राथमिक विद्यालय आ एकटा पूर्वप्राथमिक विद्यालय अइछ । रासस





