यू–१९ एसिया कपके लेल नेपालक क्रिकेट टोली घोषणा


काठमाण्डू, १६ कातिक : पुरुष यू–१९ एसिया कपके लेल नेपालक क्रिकेट टोलीके घोषणा केलक अइछ । नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) विपिन प्रसाद शर्माके कप्तानीमे १५ सदस्यीय टोली घोषणा केलक अइछ ।

क्यान अनुसार एसिया कप इएह कातिक १९ गतेसँ २८ गतेधैर ओमानमे आयोजन हएत । प्रतियोगितामे नेपाल समूह ‘ए’ मे अइछ ।

समूह चरणमे नेपाल २० कातिकमे भारत, २२ कातिकमे युनाइटेड अरब इमिरेट्स (युएई) तथा २४ कातिकमे पाकिस्तानसँ प्रतिस्पर्धा करत ।

उक्त प्रतियोगिताके लेल नेपालक टोलीमे विपिन प्रसाद शर्मा (कप्तान), निरज कुमार यादव, प्रसिद्ध जैशी, सोहेल कुँवर, दर्श सुनार, रोहित चन्द, निश्चल क्षेत्री, आशिष लुहार, रोशन शाही, सूर्यान्शु कोइराला, अभय यादव, सुशील रावल, नितेश कुमार पटेल, शुभम खनाल आ सचिन भट्टके समावेश कएल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय