चीनमे शृखङ्ला खेलैबला नेपाली क्रिकेट टोलीके बिदाइ


काठमाण्डू, १६ कातिक : चीनमे हुअबला ‘बेल्ट एन्ड रोड यु–१९ सिरिज’ मे सहभागी हुअबला नेपाली महिला क्रिकेट टोलीके बिदाइ कएल गेल अइछ । नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान)द्वारा आइ आयोजित कार्यक्रममे उक्त टोलीकेँ बिदाइ कएल गेल ।

ओइ अवसरमे क्यानके उपाध्यक्ष रोशन सिंह अगिला साल हुअबला आइसिसी यु–१९ महिला विश्वकपके तैयारीस्वरूप नेपाली टोली चीनमे सिरिज खेलए लागल जानकारी देलैन । खेलाड़ी पर्याप्त अभ्यासके अवसर प्राप्त कएने कारण प्रतियोगितामे उत्कृष्ट प्रदर्शन करबाक विश्वास व्यक्त गकरैत ओ खेलाड़ीकेँ नीक खेल प्रदर्शन करबाक लेल सुझाव देलैन ।

टोलीके मुख्य प्रशिक्षक महेश प्रसाद रिजाल चीन भ्रमण खेलाड़ीके कमजोरी सुधारबाक आ अनुभव हासिल करबाक लेल महत्वपूर्ण अवसर भेल बतौलैन । उक्त सिरिजसँ टोलीके समग्र क्षमता मूल्याङ्कन करैत आगामी प्रतियोगिताके लेल बलगर टोली निर्माण करबाक लेल सेहो सहयोग होबाक से हुनक कहब छलैन ।

टोलीके कप्तान सोनी पाख्रिन उक्त प्रतियोगिताके लेल हमसभ पूर्ण तेयार भेलाक कारण नीक प्रदर्शन करबाक विश्वास व्यक्त केलैन ।

क्यान अनुसार ‘बेल्ट एन्ड रोड सिरिज’ काइलसँ इएह कातिक २२ गतेधैर सञ्चालन हएत । प्रतियोगितामे नेपालसहित आयोजक चीन, हङकङ आ थाइल्याण्डके सहभागिता रहत । नेपाल प्रतियोगितामे तीनू टोलीसँ प्रतिस्पर्धा करत । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय