जनकपुरधाम, २० कातिक : मधेश प्रदेश सरकारमे नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीसँ सरकारमे सहभागी मन्त्री भेल चाइर गोटे मन्त्री आइ राजीनामे देलैन अइछ ।
मधेश प्रदेश सरकारमे सहभागी अर्थमन्त्री युवराज भट्टराई, उद्योग तथा पर्यटनमन्त्री कनिष पटेल, गृह, सञ्चार तथा कानुनमन्त्री फकिरा महतो आ ऊर्जा, सिँचाइ तथा खानेपानीमन्त्री जवाहरलाल कुशवाहा सामूहिक राजीनामे देलैन ।
चारु गोटे मन्त्री मुख्यमन्त्री कृष्णप्रसाद यादवकेँ ह्वाटसपमार्फत राजीनामा पत्र पठौने नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी संसदीय दलक नेता अर्थमन्त्री भट्टराई बतौलैन ।
“मुख्यमन्त्री ज्यू काठमाण्डूमे अइछ, तँए हुनक ह्वाटसपमे राजीनामा पत्र पठौने छी”, मन्त्री भट्टराई कहलैन, “आइएसँ राजीनामा लागू हएत ।” राजनीतिक निकासक लेल हमसभ सामूहिक राजीनामा दैत सरकारसँ समर्थन फिर्ता लेने पत्र प्रदेश प्रमुखकेँ द चुकल ओ बतौलैन ।
अइसँ पहिने बितल आसिन ३० गते नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)सँ मधेश प्रदेश सरकारमे सहभागी मन्त्रीसभ राजीनामा दैत सरकारसँ समर्थन फिर्ता लेने छल । मधेश प्रदेशमे नयाँ सरकार गठनके कसरत सेहो शुरू भ चुकल अइछ । (रासस)





