जनकपुरधाम भन्सारसँ ३४ करोड़ २८ लाख टका राजस्व सङ्कलन


जनकपुरधाम, ४ जेठः जनकपुर भन्सार कार्यालय चालु आर्थिक वर्षके एखनधैर ३४ करोड़ २८ लाख ७८ हजार टका राजस्व सङ्कलन केलक अइछ । कार्यालयक अनुसार चालु आवमे ५७ करोड़ सात लाख १७ हजार टका राजस्व सङ्कलन करबाक वार्षिक लक्ष्य राखल गेल छल ।

चालु आवके वार्षिक लक्ष्यके तुलनामे एखनधैर ६० दशमलव सात प्रतिशत मात्र राजस्व सङ्कलन भेल कार्यालयक भन्सार अधिकृत एवम् सूचना अधिकारी रविन्सलाल दास जानकारी देलैन अइछ ।  हुनका अनुसार बितल आवके सएह अवधिके तुलनामे ५१ करोड़ ७४ लाख ९१ हजार टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल छल ।

चालु आर्थिक वर्षके वैशाखधैर कार्यालयक मुख्य भन्सार नाका जटहीसँ २८ करोड़ ६२ लाख ५९ हजार टका, भडरिया छोटी भन्सार नाकासँ १८ लाख ३६ हजार टका, इनरुवा छोटी भन्सार नाकासँ २२ लाख ९५ हजार टका आ बाँकी जनकपुर भन्सार कार्यालयसँ राजस्व सङ्कलन भेल दास जानकारी देलैन अइछ ।

कार्याललय चालु आवके चैत महिनासम्ममे लिलामीसम्बन्धी मुद्दामध्ये दू सओ ९८ टा फैसला कएल ओ बतौलैन । पाँच सओ ६५ लिलामीक मुद्दा मध्ये दू सओ ९८ टा निर्णाय क एक करोड़ ५६ लाख २० हजार टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल कार्यालय जनौलक अइछ ।

लिलामीसम्बन्धी मुद्दाके प्रतिवेदन दाम नौ करोड़ १५ लाख ५६ हजार टका छल । उक्त अवधिमे विभिन्न समयमे चोरी तस्करीके लिलामीसम्बन्धी जनकपुरधाम भन्सार कायालयके ११ मुद्दामध्ये नौ टाके फैसला भेल अइछ ।

सशस्त्र प्रहरीके चाइर सओ १७ मध्ये दू सओ एक मुद्दाके फैसला भेल अइछ तँ नेपाल प्रहरीके एक सओ ३७ लिलामीक मुद्दामध्ये ८८ टा निर्णय भेल उक्त कार्यालयसँ प्राप्त विवरणमे उल्लेख अइछ ।
जटही नाकासँ अर्धतैयारी कपड़ा, हार्डवेयरसम्बन्धी, टायल्स, कोइला, कृषि उपज, कृषिक लेल विषादी, खाद्यान्न, तरकारी, फलफूल, खेलकुद सामग्री, स्टेसनरी, तथा विभिन्न उद्योगक कञ्चापदार्थ, घरायसीसहित अन्य दैनिक सामग्री आयात भेल कार्यालयक भन्सार अधिकृत दास जानकारी देलैन अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय