सुशासन कायम करए लेल सूचनाके हक आवश्यकः गृहमन्त्री लेखक


काठमाण्डू, ६ जेठः गृहमन्त्री रमेश लेखक सूचनाके हक पारदर्शिताक लेल आवश्यक रहल बताैलैन अइछ । ओ पारदर्शिता आ पारदर्शितामार्फत सुशासन कायम करए लेल सेहो सूचनाके हक आवश्यक रहल विचार व्यक्त कएलैन ।

राष्ट्रिय सूचना आयोग आइ एत आयोजित मन्त्रालयस्तरीय सूचना अधिकारीसभसङ अन्तक्र्रिया कार्यक्रमकेँ ओ संविधानमे सूचनाके हककेँ मौलिक हकके रुपमे राखल गेल बतौलैन ।

“सूचना देब अपनासभके कर्तव्य छियै, सूचना प्राप्त करब नागरिकके कर्तव्य छियै, सूचनाके हक मतलब जे सूचना कियो मांगलक तँ द दियाै से नै”, ओ कहलैथ, “कतेक सूचना गोपनीयता बला होइछै से सूचना नै देल जेबाक चाही, शान्ति सुरक्षा आ देशक प्रतिरक्षाके सूचना होइ छै, वैदेशिक सम्बन्ध आ कूटनीतिक सम्बन्धके सूचना होइछै, आब उक्त सूचना पारदर्शिताक नाममे, सुशासनके नाममे सारा सूचना देल जाए तँ देशकेँ थितिमे बसैलाएल नै हएत ।”

ओ देशक प्रतिरक्षासँ जुडल पारदर्शिता, सुशासनके नाममे सब सूचना नै देल जेबाक बतौलैन । “संविधानके व्यवस्थाकेँ सन्तुलित, विस्तारित आ समग्रतामे बुझब जरुरी छै, सूचना नै नुकाए देबाक सेहो आग्रह करैत छी”, मन्त्री लेखक कहलैथ, “गोपनीयताबला सूचना देब जरुरी नै छै, सूचना नुकाबैबला सूचना छै तँ गोपनीयताके कारण सूचना नै देल जेबाक बात स्पष्ट लिखित रूपमे दिए पडत ।” रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको