नेपालमे ग्लोबल युनिकर्न कम्पनी बनेबाक लेल नीतिगत सुधार कएल जाएत: प्रधानमन्त्री शाह


काठमाण्डू, १४ कातिक : प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह नेपालमे गेम डेभलपमेन्ट तथा सूचना प्रविधि (आईटी) उद्योगकेँ प्रोत्साहन दैत नेपाली कम्पनीकेँ विश्व बजारमे प्रतिस्पर्धा करबाक आ ग्लोबल युनिकर्न कम्पनीक रूपमे विकसित करबाक लेल सहज वातावरण तैयार कएल जेबाक बतौलैन अइछ।

आइ सामाजिक सञ्जालमार्फत ओ अइ लेल आवश्यकसभ नियम आ वातावरणक पुनरावलोकन कएल जेबाक उल्लेख केलैन।

नेपालमे गेमिङ एप बनाक विश्वभैरमे नाम कमौने कम्पनीसभ सेहो रहल उल्लेख करैत ओ कहलैन जे संसारक सबसँ चर्चित लुडो गेम (लगभग २० करोड़ डाउनलोड) आ कलब्रेक गेम (१५ करोड़सँ बेसी डाउनलोड) नेपालीसभ बनौने छैथ। सैकड़ौँ युवा गेम एप बनाबयमे लागल हुनकर कहब छल।

“हमसभ हुनकासभकेँ बजा क समस्या सेहो बुझलौँ आ गेम डेभलपमेन्ट क्षेत्रकेँ सहज बनाबय तथा उद्योगक रूपमे आगाँ बढ़ेबाक विषयमे सेहो बातचित कएलाैँ। आब हुनकासभके समस्या समाधान करबाक तैयारीमे छी,” प्रधानमन्त्री शाह उल्लेख केलैन।

आईटीसम्बन्धी ‘प्रडक्ट’ आ निर्यात सेहो एखन बहुत सकारात्मक अवस्थामे छै। देशक दक्षता, कम्पनीसभकेँ सहज रूपमे कमाइ करबाक आ पुनःलगानी करबाक विषयकेँ ध्यानमे राइख करमे सहजता आ नीतिगत सुधार कएल जाएत। अन्तर्राष्ट्रीय आमदनीसम्बन्धी नियमकेँ आओरो सहज बनाएल जेबाक हुनकर कहब छल।

एकर अतिरिक्त गेम जाम, स्टार्टअप इभेन्ट, सूचना प्रविधि क्षेत्र, राष्ट्र बैंक तथा अर्थ मन्त्रालयसँ नियमित अन्तरक्रिया, ह्याकाथोन आ समग्र आईटी प्रडक्ट तथा गेमिङ उद्योगकेँ लाभ होबाक हिसाबसँ इकोसिस्टममे लगानी कएल जाएत, प्रधानमन्त्री कहलैन। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय