‘हाम्रो माया घर’ निर्माणमे तेजी आएल


महोत्तरी, ७ जेठ : बर्दिवास–२ हङकङडाँडामे ‘हाम्रो माया घर’ निर्माणमे तेजी आएल अइछ। भवन तैयार भेला सङे आश्रय भेटबाक आशामे अशक्त आ बेसहारा लोकसभ प्रतीक्षा क रहल छैथ। नौ महिना पहिने मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतीश कुमार सिंहद्वारा शिलान्यास कएल गेल ई ‘हाम्रो माया घर’ निर्माणक लगभग ५० प्रतिशत काज पूरा भ चुकल अइछ।

हाम्रो माया घर निर्माण समितिके अध्यक्ष शम्भुप्रसाद भट्टराईक अनुसार, एत करीब १० करोड़ ६९ लाख टकाके लागतमे दूटा भवन बनाएल जा रहल अइछ। ओ कहलैन, “दू वर्षके भीतरमे भवन निर्माण पूरा करबाक लक्ष्य छै।”

पहिल भवन निर्माणक काज बितल वर्ष साओन महिनामे आयोजित शिवपुराण महायज्ञसँ प्राप्त नगदसँ प्रारम्भ कएल गेल छल। ओहि महायज्ञसँ दू करोड़ टका नगद संकलन भेल छल। तकर बाद विभिन्न दातासभसँ भेटल सहयोगक आधारमे निर्माणक काज लगातार आगू बढ़ल, अध्यक्ष भट्टराई कहलैन।

हालमे बर्दिवास नगरपालिकाक प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्रीद्वारा २५ लाख टका सहयोग करबाक घोषणा कएल गेल अइछ। तहिना ॐ समाज डेन्टल अस्पताल, बर्दिवासक सञ्चालक डा. सुवास घिमिरेद्वारा सात लाख ५० हजार टका सहयोग कएने अइछ। अध्यक्ष भट्टराई कहलैन जे पहिल भवन पूर्ण भ उपयोगमे अनलाक बाद दोसर भवनके निर्माण आरम्भ कएल जाएत ।

‘हाम्रो माया घर’ असहाय बालबालिका, सड़क मानव, अशक्त आ बेसहारासभके लेल आश्रय स्थल हएत , हाम्रो माया घर बर्दिवास समितिक अध्यक्ष कृष्णप्रसाद गौतम कहलैन। ओ कहलैन जे ई निर्माणक लेल पाँच कठ्ठा १० धुर जमीन निःशुल्क प्राप्त भेल अइछ। दातासभ भेटलापर दोसर भवनक निर्माण कार्य सेहो आगू बढ़त।

अध्यक्ष गौतमक कथन अनुसार, एत बइन रहल ‘हाम्रो माया घर’मे मधेशक विभिन्न स्थानसभमे भेटल सड़क मानव, असहाय बालबालिका, अशक्त, बेसहारा तथा परिवारद्वारा हेपल-त्यागल वृद्ध–वृद्धासभक भोजन, बास, इलाज आ वस्त्रसहित मानवोचित व्यवस्था कएल जाएत । ‘हाम्रो माया घर’मे दू सओ बेसहारा लोकके यथोचित व्यवस्थापनसहित आश्रय देबाक लक्ष्य राखल गेल अइछ। दुनू भवन बालबालिका आ अपाङ्ग मैत्री हएत । खेलकुद, मनोरञ्जन आ विद्यालय शिक्षासँ बालबालिकाके तत्काल जोड़बाक योजना बनाएल गेल अइछ। रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको