काठमाण्डू, १३ जेठ : पछिला एक महिनामे देशभैर आइगलगीके घटनामे ११ व्यक्तिके मृत्यु भ चुकल अइछ । मृतकमे तीन पुरुष, पाँच महिला, दू बालक आ एक बालिका अइछ ।
नेपाल प्रहरीक केन्द्रीय प्रवक्ता, प्रहरी वरिष्ठ उपरीक्षक रमेश थापाक अनुसार, वैशाख महिनाक तथ्याङ्क अनुसार ओहि अवधिमे ६७ व्यक्तिके आइगलगीमे घायल भेल छैथ । घायलमेसँ २७ पुरुष, ३२ महिला आ आठ बालबालिका छैथ ।
प्रवक्ता थापाक कहलैन “आइगलगीके घटनामे बृद्धि भेलासँ मानवीय आ भौतिक दुनु प्रकारक क्षति भयावह रूप लेने छै । नागरिक यदि सतर्क रहए तँ बहुत घटनासभ रोकल जा सकैत अइछ ।”
प्रहरीक तथ्याङ्क अनुसार, एक महिनामे आइगलगीसँ १५१ घर, १०१ गोठ आ तीन सरकारी कार्यालयसभ क्षतिग्रस्त भेल अइछ । सङे, १८९ पशुचौपायाक मृत्यु भेल अइछ ।
उक्त आइगलगी घटनासभसँ २४ करोड़ १९ लाख ५९ हजार टकासँ बेसीक आर्थिक क्षति भेल अइछ ।
एकर अतिरिक्त, ११० परिवार विस्थापित भ चुकल छैथ । एक महिनामे कुल ६३४ आगलागीक घटना भ चुकल अइछ, प्रहरी प्रधान कार्यालयक जानकारी अनुसार प्रहरीक अनुसार वैशाख महिनामे सबसँ बेसी आइगलगी लुम्बिनी प्रदेशमे भेल जत १४३ घटनाक रेकर्ड अइछ । दोसर स्थानपर कोशी प्रदेश छै जत १३६ आइगलगी भेल । मधेश प्रदेशमे १०४ आइगलागि भेल अइछ, प्रवक्ता थापाक अनुसार बागमती प्रदेशमे ६४, काठमाण्डू उपत्यकामे ३२, गण्डकीमे ५३, कर्णालीमे ४३ आ सुदूरपश्चिम प्रदेशमे ५९ घटनाक विवरण भेटल अइछ ।
आइगलागि विशेषज्ञसभके कहब अनुसार बहुत रास आइगलागिके मूल कारण मानवीय लापरवाही होइत अइछ । रासस






