काठमाण्डू, २० जेठः स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्यामन्त्री प्रदीप पौडेल पर्यटक आकर्षित करए लेल प्रचारप्रसार आवश्यक रहल बताैलैन अइछ ।
अठारहम गणतन्त्र दिवसके अवसरमे राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) आयोजित ‘पर्वतीय पर्यटनः अपन शान, अपन पहिचान’ विषयक तस्बिर प्रदर्शनीके आइ अवलोकनबाद मन्त्री पौडेल नेपालके उक्त सम्पदाके आवश्यक प्रचारप्रसार कएल गेल तँ पर्यटन उत्थानमे योगदान पहुँचबाक विश्वास व्यक्त कएलैन ।
मन्त्री पौडेल कहलैथ, “ई पृष्ठभूमिमे रासस अपने स्रोतसँ फोटो प्रदर्शनीके आयोजना करब सृजनशील काज छियै । एहिसँ नेपालके सम्पदा प्रवर्धनके लेल प्रचारप्रसारमे सहयोग पहुँचबाक अपेक्षा कएने छी ।”
नेपालके सब महत्वपूर्ण गन्तव्य आ प्राकृतिक सम्पदाके ई एकटा उत्कृष्ट फोटो प्रदर्शनी भेल उल्लेख करैत ओ प्रदर्शनीमे राखल तस्बिरसँ बहुत ठामके बारेमे जानबाक अवसर भेटल बतौलैन । ओ कहलैथ, “अइ ठाँमक तस्बिरसँ अपन प्राकृतिक सौन्दर्यताकेँ विश्वव्यापीकरण बनाबैमे सहयोग पहुँचैत छै । पर्यटनके माध्यमसँ देशक आर्थिक अवस्था मजबुत बना सकैत छी। जलवायु परिवर्तन हमरासभकेँ बहुत असर केने अइछ । अपन हिमालयन सम्पदासभ धिरेधिरे क्षयीकरण भ रहल छै । ताहिदिस सेहो अपनासभके धीयान देबाक जरुरी छै ।”
नेपालमे जकाँ हिमालय सम्पदा संसारमे केकरो लग नै भेल पक्षकेँ समझै लेल आवश्यक रहल उल्लेख करैत मन्त्री पौडेल हमरासभके प्राकृतिक स्रोतसाधनउपर राज्यसँ जतेक लगानी चाही तते नै भ सकल स्वीकार कएलैन । नेपाल ‘स्वास्थ्य हिमालय हेल्थ क्लाइमेट’ नामक अन्तर्राष्ट्रीय मञ्च गठन क रहल कहैत ओ ताहि मार्फत हिमालमे जलवायु परिवर्तनसँ भ रहल असर न्यूनीकरण लेल अन्तर्राष्ट्रीय बहस पैरवी करए लेल सहज होबाक विचार व्यक्त कएलैन ।
अइसँ पहिने राससके कार्यकारी अध्यक्ष धमेन्द्र झा अतिथिकेँ स्वागत करैत नेपालमे किछ नै छै तथा गणतन्त्रके बादो किछ नै भेल छै से भाष्य हटाबै लेल पछिला तीन वर्षसँ रासस संस्कृति आ सम्पदा, पूर्वाधार विकास आ हिमालसम्बन्धी तस्बिर प्रदर्शनीमे भेल/भ रहल कामकेँ उजागर करबाक कोसिस क रहल बतौलैन । रासस





