सिरहा, २० जेठः लहान नगरपालिका–२० स्थित मलहन्वाकी चन्द्रमाला सिंह २०४७ सालसँ महिला स्वास्थ्य स्यवंसेविका छैथ । गर्भवतीकेँ नियमित स्वास्थ्य परीक्षण कराबए सचेत कराएब हुनक मुख्य जिमेवारी छी।
पहिने गामघरके गर्भवती स्वास्थ्य संस्थामे जा स्वास्थ्य परीक्षण करेबाक प्रचलन न्यून छलै । पछिला वर्षमे उक्त सङ्ख्यामे वृद्धि भेल हुनक अनुभव अइछ । “पहिने गर्भवती स्वास्थ्य संस्थामे गर्भावस्था सम्बन्धमे चेकजाँच करेबाक चलन नै छलै । अस्पतालके सहज पहुँच सेहो नै रहए आ नियमित स्वास्थ्य परीक्षण करए पड़त से चेतनो नै छलै”, ओ कहलैथ, “सूचना प्रविधिके विकास आ विभिन्न तालिम तथा गोष्ठी सञ्चालन बाद हुनकासभ नियमित परीक्षण कराबए सुरू कएने छै ।”
आब समय दतिल तथा मुशहर समुदायक गर्भवती सेहो नियमित गर्भावस्था परीक्षण क रहल ओ जानकारी देलैन । एहिना स्वास्थ्य संस्थाेमे नियमित परीक्षण कएनिहाइर गर्भवतीके सङ्ख्यामे वृद्धि होबाक मुख्य कारण नगरपालिका जे तीन साल पहिने सुरू कएने परसाैती तथा गर्भवती पोषण कार्यक्रम छै । स्वास्थ्य संस्थामे नियमित गर्भावस्था परीक्षण कराबैबाली महिलासभकेँ पोषण प्याकेज प्रदान कएल जाइ छै ।
लहान नगरपालिका नगरक्षेत्रभित्रके सब वाडके गर्भवतीके स्वास्थ्य परीक्षणदर वृद्धि करए लेल स्वास्थ्य संस्थामे परीक्षणमे आबैबाली परसाैती तथा गर्भवती पोषण कार्यक्रम सुरू कएल नगरप्रमुख महेशप्रसाद चौधरी जानकारी देलक अइछ । इएह कार्यक्रमकेँ निरन्तरता दैत आइ लहान–२० क ४८ गर्भवती तथा परसाैतीकेँ पोषण प्याकेज वितरण कएल गेल अइछ । नगरप्रमुख महेश प्रसाद चौधरी कहलैथ, “मापदण्डअनुसार गर्भजाँच कएलासँ माए आ नवजात बच्चाके स्वास्थ्य बढ़िया होइ छै । एहि पोषण कार्यक्रम मातृ शिशु मृत्युदरमे कमी आ पोषणके सुनिश्चितताक लेल सहयोग हएत सएह विश्वास छै ।”
नगरप्रमुख चौधरी महिलामे पोषणके कमी नै होबाक आ मापदण्डअनुसार नियमित परीक्षण कार्यक्रम प्रभावकारी भेलासँ एहि कार्यक्रमकेँ स्वयं नगरप्रमुख भेलापर सञ्चालन कएने बतौलैन । ओ अगिला दिनमे परसाैती तथा गर्भवती पोषण कार्यक्रमकेँ निरन्तरता देबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलैन । वाड नं १६के तरेगणा आ वाड नं १९के सोनवतीमे ‘बर्थिङ सेन्टर’ निर्माण क रहल जानकारी ओ देलैन ।
सएह क्रममे लहान–२० क वाडध्यक्ष गणेशप्रसाद चौधरी नगरके एहि पोषण प्याकेज अभियान अतिविपन्न तथा असहाय परिवारक लेल प्रभावकारी भेल बतौलैन । उक्त प्याकेजमे चामल, दाल, नुन, तेल, चना, मटर, सोयाविनसहित खाद्यान्न सामग्री छै । रासस






