दक्षिण कोरिया आ अल्बानिया पठाबैबला ठक गिरफ्तार


काठमाण्डू, २१ जेठः वैदेशिक रोजगारीमे आकर्षक तलबके प्रलोभनमे   दक्षिण कोरिया आअल्बानिया पठादेब कहैत १३ लाख ठक्ने अभियोगमे प्रहरी दू गोटेकेँ गिरफ्तार क सार्वजनिक केलक अइछ ।
पकड़ाएल काठमाण्डू महानगरपालिका–२८ निवासी ४६ वर्षीय प्रविन कुमार शाह आ रोल्पाके त्रिवेणी गाउँपालिका–४ घर भ हाल काठमाण्डू महानगरपालिका–११ निवासी ३२ वर्षीय प्रतिज्ञा बुढामगर रहल काठमाण्डू उपत्यका अपराध अनुसन्धान कार्यालयक सूचना अधिकारी एवम् प्रहरी उपरीक्षक काजी कुमार आचार्य जानकारी देलैन अइछ ।
ओ कहलैथ, “पकड़ाएलमध्ये प्रविन अल्बानिया पठा देब कहैत आठ लाख १८ हजार टका आ प्रतिज्ञा दक्षिण कोरिया पठेबाक कहैत पाँच लाख ल सम्पर्कबिहीन भेल से पीडितसभके उजुरीक आधारमे गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।”
काठमाण्डूक विभिन्न ठामसँ हुनकासभकेँ गिरफ्तार कएने, आओर आवश्यक अनुसन्धान तथा कारवाहीक लेल वैदेशिक रोजगार विभाग ताहचल पठाएल गेल सूचना अधिकारी आचार्य बतौलैन । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको