काठमाण्डू, ३० जेठ: प्रतिनिधिसभाक अवरोध अन्त क बैसार संचालन करबाक लेल सत्तापक्ष आ विपक्षी दलबीच दु बुँदाक सहमति भेल अइछ।
नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)क मुख्य सचेतक महेश कुमार बर्तौला आ प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)क प्रमुख सचेतक बीच आइ सहमति भेल । एहि सहमतिसङे अवरुद्ध संसद संचालन होएबाक रस्ता खुलल अइछ। ताहिसँ पहिने विपक्षी दलसभ अगिला आर्थिक वर्ष २०८२/८३ क बजेट सार्वजनिक करबाक प्रक्रियामे सहयोग क चुकल छल।
सहमतिक पहिल बुँदामे कहल गेल अइछ, “भिजिट भिसा आ अध्यागमनसँ सम्बन्धित विषयपर अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगद्वारा अनुसन्धान भ रहल छै, आयोग ओहि कार्यकेँ निष्कर्षधैर ल जाएत। ओहि विषयपर खोजबिनक क्रममे आयोगद्वारा मांगल गेल अनुरूप नेपाल सरकार आवश्यक सहयोग करत।” दोसर बुँदामे कहल गेल अइछ जे अध्यागमन आ भिजिट भिसासँ सम्बन्धित विगतसँ देखल जाएबला समस्यासभक समाधान करबाक लेल नेपाल सरकार आवश्यक अध्ययन आ खोजबिन करत, तथा नीतिगत, कानूनी आ संरचनात्मक सुधारक लेल उपयुक्त व्यवस्था करबाक ठोस पहल करत—एहन प्रतिबद्धता सरकारद्वारा व्यक्त कएल गेल अइछ। रासस






