कृष्ण आचार्य/रासस
भरतपुर (चितवन), १ अखारः भरतपुरमे आयोजित रक्तदान महोत्सवमे एक हजार ७१७ जना रक्तदान क एकटा नव रेकर्ड स्थापित कएलक अइछ । ब्लड डोनर्स सोसाइटी नेपाल, चितवन शाखाद्वारा शैनदिन आयोजित एहि महोत्सवमे जिलाक सातू टा पालिकासभसँ रक्तदातासभके सहभागिता छल ।
सङ्कलित रगतमेसँ नेपाल रेडक्रस सोसाइटी प्रादेशिक रक्तसञ्चार केन्द्र भरतपुरद्वारा एक हजार ५३६ यूनिट आ भरतपुर अस्पताल ब्लड बैंकद्वारा १८१ यूनिट लहुके ‘स्टोर’ कएल गेल अइछ ।
१४ जूनकेँ अन्तर्राष्ट्रीय रक्तदाता दिवस होइत अइछ । एहि अवसरमे सोसाइटीद्वारा महोत्सवक आयोजना कएल गेल । सोसाइटीक चितवन अध्यक्ष आ मूल समारोह समितिक कार्यक्रम संयोजक एकराज बुर्लाकोटी कहलैन, “इलाजके क्रममे लहुँके आवश्यकता होइते अइछ, मुदा रगतदान योग्य व्यक्ति बहुतेक रहितो रक्तदान करबाक प्रवृत्ति कम देखाइत छै । एहि संदेशक प्रसार करबाक लेल ई व्यापक कार्यक्रम कएल गेल छै ।”
सोसाइटीक सचिव एवम् प्रचार समितिक संयोजक विपिन पाठक जानकारी दैत कहलैन जे रक्तदान महोत्सव एक दिनमे एके स्थानपर सर्वाधिक लहुँ सङ्कलन करैत नेपालक राष्ट्रीय रेकर्ड बना देने अइछ । ओ कहलैन, “अइसँ पहिने विश्व कीर्तिमान बनाबै लेल लायन्स क्लब अफ काठमाण्डू आ अन्य संस्थाद्वारा २०७४ फागुन २५ गते टुँडिखेल, काठमाण्डूमे एक हजार ५०० पिन्ट रगत सङ्कलन कएल गेल रहए।”





