बेलबारी (मोरङ), ४ अखारः सड़क सञ्जालसँ एसियाली राष्ट्रसभकेँ जोड़ैबला उद्देश्यसँ निर्माण भ रहल ‘एसियन हाइवे’के काँकडभिट्टा–लौकहीखण्ड पक्की करबाक सुरू भेल अइछ ।
आयोजना पश्चिम खण्ड इटहरी कार्यालयक प्रमुख जगत् प्रजापति अनुसार मङ्गलदिन लक्ष्मीमार्गसँ एक लेन पक्की करबाक काज प्रारम्भ भेल अइछ । निर्माण सम्झौता भेल १५ महिनामे करिब २३ प्रतिशत काज पूरा भेल अइछ । एसियाली राजमार्ग नम्बर २ अन्तर्गत काँकडभिट्टासँ लौकही तकके एक सओ २० किलोमिटर सड़क स्तरोन्नति होएत कहल गेल सेहो हाल ९५ दशमलव ७६ किमीमे मात्रे काज भ रहल अइछ । पूर्वी आ पश्चिम खण्डमे विभाजनके काज भ रहल अइछ ।
चालु आर्थिक वर्षभित्र कम्तीमे १० किलोमिटर पक्की करबाक लक्ष्य अइछ । आयोजना पूर्वीखण्ड दमक कार्यालयक प्रमुख सुनिलबाबु पन्तके अनुसार पूर्वी खण्डमे २१ प्रतिशत काज सम्पन्न भेल अइछ । पूर्वी खण्डमे सेहो चालु आवमे १० किलोमिटर पक्की करबाक लक्ष्य अइछ । पूर्वी खण्डमे ५० आ पश्चिममे ७० टा कल्भर्ट निर्माण भेल अइछ ।
ई राजमार्ग बजार क्षेत्रमे ५० मिटर, जङ्गलमे २४ मिटर आ ग्रामीण क्षेत्रमे ३३ मिटर चौडा हएत । एसियाली विकास बैंकके कर्जा सहयोगमे २०८० साल माघ १९ गतेसँ निर्माण सुरू भेल अइछ । रासस





