काठमाण्डू, २१ अखारः नेपाल एसिसी यू-१६ इस्ट जोन कप क्रिकेट प्रतियोगिताके उपाधि जीतल अइछ । मलेसियाके युकेएम ओभलमे आइ सम्पन्न फाइनलमे सिङ्गापुरकेँ दू विकेटसँ पराजित करैत नेपाल विजयी भेल अइछ ।
सिङ्गापुरक एक सओ १४ रन लक्ष्यकेँ नेपाल २९ ओभरमे आठ विकेटके क्षतिमे पूरा कएलक । नेपालके लेल जोय थापा आ अभय यादव अविजित क्रमशः २४ आ १० रनके महत्वपूर्ण योगदान देलक । सङे शिवाशं बजगाई २०, शुभम खनाल १८ आ प्रसिद्ध जैशी १७ रन बनेलक ।
सिङ्गापुरके लेल कपिस भेन्कटरमन चाइर विकेट लेलक तँ युवान पाण्डे दू विकेट लेलक । सङे भेदान्स गुप्ता आ आकाश तेजा एक/एक विकेट लेलक ।
सामान्य लक्ष्यके पूरा करबाक क्रममे १३ रनमे पहिल विकेट क्षति कएलक । तकरा बाद शिवान्स बजगाईँ एक छक्का आ दू चौकाके प्रहार करैत आक्रामक ब्याटिङ करैत पारीकेँ आगू बढेलक। नेपाल ४० रनमे लगातार दू विकेट क्षति कएलाक बाद दबाब बेसी उत्पन्न भेल । नेपाल ५८ रनमे आओर दू विकेट क्षति भेल।
छठम विकेटमे जोय थापा आ सुभास खनाल महत्वपूर्ण ३३ रनके साझेदारी केलैथ । नेपाल ९१ रन छठम आ ९२ रनमे सातम आ आठम विकेटके क्षति कएने छल ।
टस जीत क पहिने ब्याटिङ कएने सिङ्गापुर ४० दशमलव पाँच ओभरमे सब विकेटके क्षतिमे ११३ रनके योगफल बनेलक । जाहिमे रोहन अस्टिन सर्वाधिक २३ रन, रिहान नाइक १५, दान्स गुप्ता १२ रन आ आकाश तेजा १० रन बनेलक । ताहि बाहेक सिङ्गापुरके अन्य ब्याटर खासे रन नै बना सकल ।
अभय यादव आ सुशील बहादुर रावल समान तीन/तीन विकेट लेलक तँ शुभम खनाल दू विकेट लेलक । तहिना कप्तान बिपिन प्रसाद शर्मा एक विकेट लेलक । रासस





