राजविराज (सप्तरी), १० साओन : सप्तरीके रुपनी गाउँपालिका–२ पौवाँमे आइ सिटी रिक्सा चार्ज क रहल समय करेन्ट लाइग क एक दम्पतीके जान गेल अइछ ।
स्थानीय ४५ वर्षीय बालेश्वर खंग मण्डल आ हुनक ४२ वर्षीय श्रीमती राम कुमारी खंगके ई-रिक्सा चार्ज गर्ने क्रममे करेन्ट लाग्दा मृत्यु भेल जिला प्रहरी कार्यालयक प्रहरी निरीक्षक उदय कुमार राई जनाकारी देलैन ।
प्रहरी निरीक्षक राईक अनुसार अपने घरमे सिटी रिक्सा चार्ज करैत काल पहिने श्रीमानकेँ करेन्ट लागल छल, तकर बाद हुनका बचाबैत काल श्रीमतीकेँ सेहो करेन्ट लागल रहए । हुनकासभके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल प्रहरीके कहब अइछ । रासस






