इनरुवा (सुनसरी), १९ साओन: बर्खाक कारण सप्तकोशी नदीमे पाइनके बहाव उच्च भेल अइछ।
रैवदिन साँझ कोशी ब्यारेजमे प्रतिसेकेण्ड एक लाख ९१ हजार २१० क्युसेक पाइनके बहाव मापन कएल गेल छल।आइ भोरमे कएल गेल मापनमे कोशी ब्यारेजसँ एक लाख ७५ हजार ६८५ क्युसेक प्रतिसेकेण्ड पाइनके बहाव रहल सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक निर्मल थापा जानकारी देलैन।
अखन ५२ मूल आ चाइर नहरक मिलाक ५६ टा फाटकमेसँ २३ टा खुला कएल गेल ओ जानकारी देलैन। कोशी ब्यारेजसँ एक लाख ५० हजारसँ बेसी पाइनके बहाव भेलापर सर्वसाधारणकेँ सचेत करेबाक लेल खतराक सङ्केतस्वरूप लाल बत्ती बारल जाइत अइछ।
ओइ अनुसार लाल बत्ती बारल गेल कोशी ब्यारेज कन्ट्रोल रुम जनौलक अइछ। २०६५ भादब २ गते एक लाख ६८ हजार क्युसेक पाइनके बहाव होइत काल सप्तकोशी नदी पूर्वी तटबन्ध तोड़ने छल। रासस





