जनकपुर, ३० साओनः प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली मधेश प्रदेश प्रहरी कार्यालय जनकपुरक नवनिर्मित प्रशासनिक भवनक आइ एक समारोहक बीच उद्घाटन केलैन अइछ ।
मधेश प्रदेश सरकारक लगभग २३ करोड़ १० लाख ४३ हजार ४०७ टकाके लागतमे निर्माण भेल सुविधासम्पन्न ओइ भवनमे ६८ टा कोठरी रहल प्रदेश प्रहरी कार्यालय जनकपुर जनौने अइछ ।
मधेश प्रदेश सरकारक गृह, सञ्चार तथा कानुन मन्त्रालय बहुवर्षीय योजना अन्तर्गत ई भवन निर्माण भेल अइछ ।
अइसँ पहिने अपन भवन नै भेलाक कारण मधेश प्रदेश प्रहरी भाड़ाके घरेमे रहैत छल । जनकपुरधाम वार्ड नं. ४ स्थित नवनिर्मित भवन सञ्चालनमे अएलाक बाद मधेश प्रदेश प्रहरीक कार्यक्षमतामे विस्तार होबाक विश्वास प्रदेश सरकारक अइछ ।
तत्कालीन मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादवद्वारा शिलान्यास कएल गेल ई भवन निर्माण करबाक जिमेवारी मिलल शिवालय सुवेदी जेभी तोकल गेल समयसीमा भितरे एकरा तैयार कएने छल । रासस





