नेपाल आ भियतनामक उपराष्ट्रपति बीच भेटवार्ता


काठमाण्डू, ८ भादबः उपराष्ट्रपति रामसहायप्रसाद यादव आ भियतनामके उपराष्ट्रपति भो थि आन सुआन बीच प्रतिनिधिमण्डलस्तरीय भेटवार्ता भेल अइछ ।

आइ अइठाम भेल भेटमे हुनकासभ बीच दुनु देशमे धार्मिक समानता रहल आ धार्मिक तथा सांस्कृतिक पर्यटनके प्रचुर सम्भावनाके बारेमे बातविमर्श भेल छल । हुनकासभ बीच मित्रवत् आ सौहार्द रुपमे भेटवार्ता सम्पन्न भेल जानकारी दैत परराष्ट्र मन्त्रालयके सहसचिव प्रकाश अधिकारी द्विपक्षीय, क्षेत्रीय आ अन्तर्राष्ट्रिय विषयके बारेमे विचार आदानप्रदान भेल बतौलैन ।

दुनु देश बीचक सम्बन्ध मित्रता, सद्भावना आ सार्वभौमिकताके सम्मानमे आधारित रहल आ अन्तर्राष्ट्रिय मञ्चमे साझा धारणाके सङे आगु बढ़बाक सम्बन्धमे हुनकासभ बीच बातचित भेल छल । दुनु उपराष्ट्रपति बीच मन्त्रालयगत आ विभिन्न तहमे भ्रमण आदानप्रदान करबाक सहमति भेल अइछ । ओइ अवसरमे दुनु देश बीच हवाई सम्बन्ध विस्तारके लेल आपसी बातचित करबाक विषयमे सेहो बातविमर्श भेल सहसचिव अधिकारी बतौलैन ।

भियतनाम उच्च आर्थिक वृद्धिदर भेल देश भेलाक कारण नेपालके ओकरासँ सिखबाक चाही आ लगानीके सम्भावनाके विषयमे हुनकासभ बीच बातचित भेल सहसचिव अधिकारी बतौलैन । द्विपक्षीय व्यापार, लगानी, डिजिटल प्रविधिलगायत विषयमे आ जनस्तरके सम्बन्ध आगु बढ़ेबाक विषयमे सेहो हुनकासभ बीच बातचित भेल छल ।

भियतनामके दिससँ ई पहिल उच्चस्तरीय भ्रमण अइछ । अइ वर्ष नेपाल आ भियतनाम बीच कूटनीतिक सम्बन्ध स्थापना भेल ५० म वर्षगाँठ सेहो रहलाक कारणेँ भ्रमणकेँ विशेष महत्त्व देल गेल अइछ । उपराष्ट्रपति भो थि आन सुआन उपराष्ट्रपति यादवके मैत्रिपूर्ण निमन्त्रणमे नेपालके तीन दिनक औपचारिक भ्रमणके लेल शैनदिन काठमाण्डू पहुँचल छैथ । उपराष्ट्रपति सुआनके काइल्ह ९ गते स्वदेश जेबाक कार्यक्रम छैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय