काठमाण्डू, १७ भादबः संचार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री पृथ्वी सुब्बा गुरुङ नेपाल सङे श्रम सम्झौता भेल देशसँ हुलाक सेवा सम्झौता करत पड़त कहलैन अइछ ।
हुलाक सेवा विभाग आइ अइ ठाम आयोजन कएने वार्षिक प्रगति समीक्षामे मन्त्री गुरुङ हुलाकके व्यावसायिक सम्भावना ‘पार्सल डेलिभरी’ भेल कहैत विदेशमे रहल नेपालीधैर ई सेवा विस्तारक लेल श्रम सम्झौता भेल देशमे हुलाक पहुँचक चाहै तइपर जोड़ देलैन । पार्सल सेवाकेँ विश्वसनीय बनाएब जरुरी भेल ओ बतौलैन ।
सब पालिकाकेँ ‘डिजिटलाइजेसन’ करबाक आ ‘स्मार्ट’ हुलाक कार्यालय संचालन करबाक निर्देशन दैत ओ कहलैन, “आब हुलाकके स्मार्ट होबए पड़त, सूचना प्रविधिके अधिकतम प्रयोग क समयअनुसार रुपान्तरण करत पड़त ।”
सरकारक प्रवक्तासमेत रहल मन्त्री गुरुङ हुलाक सेवाकेँ प्रभावकारी बनेबाक लेल विभागकेँ आवश्यक पूर्वाधार निर्माण एवं आवश्यकता अनुसार अन्य सहयोग करए हम सकारात्मक छी से प्रष्ट केलैन । रासस






