काठमाण्डू, २० भादबः पूर्वराष्ट्रपति डा. रामवरण यादव दीर्घकालीन विकासकेँ आर्थिक या भौतिक दृष्टिमे मात्रे सीमित नै क शिक्षा, समाज आ प्रविधिसहित सब क्षेत्रमे समान महत्त्व दैत आगु बढ़ेबापर जोड़ देलैन अइछ ।
अइ ठाम आइ आयोजित दिगो विकासक लेल अन्तरविषयके अन्तर्राष्ट्रिय गोष्ठिमे पूर्वराष्ट्रपति डा. यादव समाज कल्याण आ सामाजिक न्यायमे समर्पित परिवर्तनकारी नेतृत्व आवश्यक भेल उल्लेख करैत युवाकेँ जिमेवार आ दूरदर्शी नेतृत्वकर्ता बनबाक लेल आग्रह केलैन ।
कार्यक्रममे काठमाण्डू विश्वविद्यालयके उपकुलपति प्रा. डा. अच्युत वाग्ले अन्तरविषयक अध्ययनसँ विद्यार्थीमे बहुआयामिक सोच, नवप्रवर्तन आ समुदायसँ सशक्त सम्बन्ध विकास करबाक अवसर प्रदान करत से बतौलैन ।
कार्यक्रममे विभिन्न शैक्षिक संस्था, अनुसन्धानकर्ता, विद्यार्थी आ समाजसेवीसभक सहभागिता छलैन । सहभागी बीच दीर्घकालीन विकास, सामाजिक जिमेवारी आ भविष्यक चुनौतीके बारेमे बातचित भेल छल । रासस





