काठमाण्डू, २६ भादबः काठमाण्डू उपत्यकाक जनजीवन क्रमशः सामान्य बनैत जा रहल अइछ। अन्य सुरक्षा निकायसभके समन्वयमे नेपाली सेना सुरक्षाक नेतृत्व लेलाक बाद अखन काठमाण्डू उपत्यका सहित देशभैर जनजीवन सामान्य दिस आगू बढ़ल अइछ।
आन्दोलनरत जेनजी पुस्ताक प्रतिनिधिसभ वार्ताक लेल प्रतिनिधि छनाैट करबाक तैयारीमे अइछ, विभिन्न सङ्घ–सङ्गठनसभ समस्याक समाधान निकालबाक लेल आह्वान क रहल अइछ।
जेनजीक प्रतिनिधिसभ सड़कपर सफाइ अभियानमे निकलल देखल गेल अइछ। आइगजनी कएल गेल कार्यालयक कर्मचारीसभ सेहो सफाइ, कागजपत्र सङ्कलन, क्षतिग्रस्त संरचनाक व्यवस्थापन आ निर्माणमे सेहो सक्रिय भेल अइछ। कार्यालय सञ्चालनक लेल आवश्यक काजसभ क रहल अइछ।
सेना सेहो निषेधाज्ञा तथा कर्फ्यू आदेशकेँ क्रमबद्ध रूपसँ खुला करैत निरन्तरता द रहल अइछ।
आइ भोर ६सँ ९ बजेधैर आवागमन आ खाद्यान्न खरीदक लेल सहजीकरण कएल गेल अइछ, आइ साँझ ५ बजेसँ ७ बजे धैरकेँ लेल सेहो खुजल गेल, सैनिक जनसम्पर्क तथा सूचना निर्देशनालय सूचना जारी क जानकारी देलक अइछ।
सैनिक जनसम्पर्क तथा सूचना निर्देशनालयक अनुसार, निषेधाज्ञा भादब २६ गतेक भोर १०सँ साँझ ५ बजेधैर लागू रहत। कर्फ्यू तँ भादब २६ गतेक साँझ ७सँ भादब २७ गतेक भोर ६ बजे धैरकेँ लेल जारी कएल गेल अइछ।
निषेधाज्ञा तथा कर्फ्यूक समय अत्यावश्यक सेवा जेना एम्बुलेन्स, शववाहन, दमकल, स्वास्थ्यकर्मी, सुरक्षाकर्मी आ सञ्चारकर्मीक संग, खाद्यान्न, इन्धन, दूध, तरकारी, पाइन आ दवाइ ओसारपसार करैबला सवारीसाधनसभ सञ्चालन कएल जा सकैत अइछ, से सेना जानकारी देलक अइछ।
उक्त समयमे सरकारी कार्यालय, बैंक तथा वित्तीय संस्था सहित सार्वजनिक संस्थानमे कार्यरत कर्मचारीसभ अपन परिचयपत्र देखा क कार्यालयधैर आवागमन क सकैत अइछ।
एहने, आन्तरिक तथा अन्तर्राष्ट्रीय उड़ानक यात्रीसभ अपन उड़ानक टिकट देखा क विमानस्थलधैर आवागमन सेहो क सकैत अइछ, से सेना स्पष्ट केलक अइछ।
उपत्यकामे आवश्यक सहायताक लेल लगमे रहल सुरक्षाकर्मीसभसँ समन्वय करबाक आग्रह सेहो कएल गेल अइछ। रासस





