प्रधानमन्त्रीसँ आन्दोलनक घायल कहलैन: हमर योगदान बेकार नै जाए


काठमाण्डू, २८ भादब: प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की ‘जेनजी’ आन्दोलनमे घायल भ मीनभवनस्थित निजामती अस्पतालमे इलाज करा रहल युवासभसँ भेट क हुनकर स्वास्थ्य अवस्थाक बारेमे जानकारी लेलैन अइछ । प्रधानमन्त्री कार्की आइ दुपहर ओइ अस्पतालमे इलाज करा रहल घायलसभक स्वास्थ्य अवस्थाक बारेमे जानकारी लेलैन, अस्पतालक कार्यकारी निर्देशक प्राडा मोहनचन्द्र रेग्मी राससकेँ जानकारी देलैन ।

“प्रधानमन्त्री घायलके स्वास्थ्य स्थितिक बारेमे जानकारी लेलैन। ओइ क्रममे ओसभ अपन स्वास्थ्यक बारेमे प्रधानमन्त्रीकेँ जानकारी करबैत कहलैन जे देशक लेल देल हमरासभके बलिदान बेकार नै जाए, प्रधानमन्त्री देशकेँ निकास दियाबैथ । फेरसँ दोसर पीढ़ीकेँ आन्दोलन नै कर पड़ए,” डा रेग्मी कहलैन । प्रधानमन्त्री कार्की देशक अवस्था परिवर्तन करबाक लेल हरसम्भव प्रयत्न करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।

कार्यकारी निर्देशक रेग्मीक अनुसार बिगत सोमदिनसँ चाइर सओ ५७ घायल अस्पताल पहुँचल छल, जाहिमे ४४ गोटेकेँ अन्यत्र ‘रेफर’ कएल गेल छल । तीन सओ ६४ गोटे इलाजक बाद घर घुमि गेल छैथ । अस्पतालमे भर्ना भेल ४९ मेसँ ११ गोटे अखन इलाज करा रहल छैथ । एक गम्भीर घाइलक सघन इलाज कक्षमे इलाज भ रहल अइछ, ४५ गोटेक शल्यक्रिया तथा सात गोटेक पुनः शल्यक्रिया कएल गेल अइछ । निजामती अस्पतालमे इलाजक क्रममे छ गोटेक मृत्यु भेल छल । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय