काठमाण्डू, २९ भादबः भादब २३ आ २४ गते जेनजी प्रदर्शनक बाद उत्पन्न परिस्थितिके कारण देशभैरके विभिन्न कारागारसँ भागलमध्ये तीन हजार ७ सओ २३ कैदीबन्दी पकड़ाएल अइछ ।
नेपाल प्रहरीके केन्द्रीय प्रवक्ता एवं प्रहरी नायब महानिरीक्षक विनोद घिमिरे आइ १२ बजेधैर तीन हजार ७ सओ २३ कैदीबन्दीके पकइड़ क कारागारमे आनल गेल कहैत अखनो १० हजार ३ सओ २० कैदीबन्दी फरार रहलासँ आवश्यक सर्तकता अपनेबाक लेल सर्वसाधारणके आग्रह केलैन अइछ ।
हुनक कहब अनुसार भारत आइब रहल किछ कैदीबन्दीकेँ भारतीय प्रहरी नियन्त्रणमे ल क नेपाल प्रहरीके फिर्ता कएने अइछ, तँ किछके सेना, प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरी नियन्त्रणमे लेने अइछ । किछ कैदी अपने कारागार आएल जानकारी दैत प्रवक्ता घिमिरे कैदीबन्दीके खोजी अभियान जारी रहल उल्लेख केलैन । कैदीबन्दीके बारेमे किछ सूचना प्राप्त भेलापर लगके प्रहरी कार्यालय तथा सुरक्षा निकायमे जानकारी देबाक लेल ओ अनुरोध कएने छैथ ।
१ सओ ३९ थुनुवा घुरल, दू हजार १ सओ फरार
जेनजी प्रदर्शनके कारण देशभैरके प्रहरी कार्यालयके हिरासतसँ भागल थुनुवा (प्रहरी नियन्त्रणमे) मध्ये १ सओ ३९ गोटेकेँ नियन्त्रणमे लेल गेल प्रवक्ता घिमिरे जानकारी देलैन । हुनका अनुसार अखनो दू हजार १ सओ थुनुवा फरार अइछ ।
फरार भेलसभक खोजी जारी रहल प्रहरी जनौलक अइछ । तोड़फोड़, आइगजनी आ प्रदर्शनक कारण कैदीबन्दीसभ इएह भादब २४ गते भागल छल । रासस






