काठमाण्डू, २९ भादबः नवनियुक्त प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की युवा पुस्ताके सोच अनुसार भ्रष्टाचार अन्त्य, सुशासन आ आर्थिक समानता देबाक लक्ष्यसँ काज करबाक लेल निर्देशन देलैन अइछ ।
सिंहदबारमे आइ पदबहाली कएलाक बाद उच्च पदस्थ कर्मचारीकेँ निर्देशन दैत ओ हम पदके रसास्वादन करबाक लेल नै आएल कहैत युवाके इच्छा अनुसार सेवा करबाक लेल आएल बतौलैन । छ महिना भीतर निर्वाचनसँ नयाँ संसद्केँ जिमेवारी देबाक उदेश्यसँ हम अइ ठाम एलौँ सेहो ओ स्पष्ट केलैन । “केहन परिस्थितिसँ अन्तरिम सरकार बनल अइछ से सबके बुझले अइछ । बड़का जनधनके क्षति भेल छै । प्रमुख निकायके प्रमाण आ अभिलेख नष्ट भेलासँ शून्यमे चइल आएल छी । सुरक्षा निकायकेँ देल गेल सवारीसाधन आइगजनी भेल छै । हत्याहिंसा भेल अइछ । अत्याश्यक निकायकेँ चुइन चुइन क आक्रमण कएल गेल अइछ । एकर अनुसन्धान बाँकी छै”, ओ कहलैन, “नेपाली भ क एहन काज केनिहारके लाज होबाक चाही । एहन घटना नेपालमे पहिल बेर भेल अइछ । हमरासभक प्रमुख भवनसभ नष्ट भेल छै । ई षड्यन्त्र आ नियोजित छै से बुझा रहल अइछ । अनुसन्धान क दोषीकेँ कारबाही कएल जाएत ।”
क्षतिपूर्ति आ पुनःनिर्माणके काज देशमे उपलब्ध स्रोतसाधन प्रयोग करए पड़त कहैत प्रधानमन्त्री कार्की देश विरुद्ध कएल गेल अइ नृशंस काजके एकताबद्ध होइत जनताकेँ सङमे ल क काज करबाक धारणा रखलैन । “महाराजगञ्जके प्रहरीवृत्त बनेबाक जिमा ओइ ठामक व्यवसायीसभ लेलक, तइ हम हुनकासभकेँ धन्यवाद देलियैन । अपनासभके अहिना मिल क काज करए पड़त । एक दोसरके आलोचना नै करु, हमरा सहयोग करु,” ओ कहलैन ।
मुख्यसचिव एकनारायण अर्याल क्षति भेल सरकारी संरचनाके पुनःस्थापना क सेवा प्रवाहकेँ निरन्तरता देबाक विषय अखन चुनौतीपूर्ण रहल बतौलैन । सब जिलाके सरकारी कार्यालय आ सुरक्षा निकायके भवनमे क्षति भेल जानकारी दैत ओ पुनःसंरचनाके लेल बजेटक व्यवस्था क प्राथमिकताके आधारमे पुनःनिर्माण करबाक आवश्यकता रहल बतौलैन ।
भादब २७ गते अन्तरिम सरकारक प्रधानमन्त्रीमे नियुक्त भेल कार्की आइ पदबहाली केलैन अइछ । रासस






