काठमाण्डू, ३० भादबः नवनियुक्त अर्थमन्त्री रामेश्वर खनाल पदभार ग्रहण केलैन अइछ । पदभार ग्रहण करैत ओ बजेट कार्यावंयन लेल आयोजना प्राथमिकीकरणके आधारमे तीन सदस्यीय कार्यदल गठन कएने छैथ ।
शितल निवासमे आइ पद तथा गोपनीयताके सपथ ग्रहणके बाद सिंहदरबारस्थित मन्त्रालयमे पदभार ग्रहण करैत ओ बजेटक कार्यावंयन करबाक लेल आयोजना प्रथामिकीकरणके आधारमे बजेट महाशाखा प्रमुखके संयोजकत्वमे कार्यदल गठन केलैन अइछ ।
बजेटमे समावेश भेलाक बादो पूर्वतैयारी नै भेल आ छोट छोट आयोजना कार्यावंयन नै करबाक ओ निर्णय कएने छैथ । आवधिक योजनाअनुसार आयोजना बजेटमे पड़ल अइछ की नै आ प्राथमिकतामे नै रहल छोट आयोजना पहिचान क खर्च कटौती करबाक सेहो मन्त्री खनाल उल्लेख केलैन अइछ । “आब निर्वाचन करएके छै, युवाक माँग पूरा करबाक लेल खर्चमे कटौती करए पड़ल अइछ”, ओ कहलैन ।
उच्चस्तरीय आर्थिक सुधार सुझाव आयोगक सल्लाह सेहो कार्यावंयन कएल जेबाक अर्थमन्त्री खनाल बतौलैन अइछ । रासस





