जनकपुरधाम, ३० भादब : धनुषामे रहल सरकारी कार्यालयसभ सेवा प्रवाह सुरू केलक अइछ । सेवाग्राहीसभ सेहो कार्यालयसभमे आइब रहल अइछ ।
सङे , एहिठामक बैंक तथा वित्तीय संस्थासभ सेहो सञ्चालनमे आएल अइछ । जिला प्रशासन कार्यालय धनुषा जनकपुरधाम सरकारी कार्यालयसभकेँ नियमित सेवा प्रवाह करबाक लेल लिखित सूचना जारी कएलाक बाद कार्यालयसभ सरसफाइ क खुलल अइछ ।
अइ ठामक कतेको कार्यालयसभ पूर्ण रूपसँ जइर क नष्ट भ गेलाक कारण सञ्चालनमे नै आइब सकल अइछ । ओहि ठामक कम्प्युटर, इन्टरनेट, ल्यापटप, दराज, कागजपत्र, महत्त्वपूर्ण फाइल, रेकर्डसभ तथा सिसा, कुर्सी, टेबल, खिड़की-केबाड़ तथा कोठरीसभ नष्ट भ गेल अइछ ।
जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका पूर्णरूपसँ जइर क क्षतिग्रस्त भेल तथा ओहि ठामक सेवा प्रवाह करबाक अवस्था नै भेल नगरप्रमुख मनोज साह बतौलैन । आइगमे बहुतो कार्यालयसभक एहने समस्या भेल ओ जानकारी देलैन ।
सङे, अपन-अपन कार्यालयक क्षति विवरण सङ्कलन तथा प्रमाणित क अभिलेख कायम करबाक लेल आग्रह सेहो कएल गेल सूचनामे उल्लेख अइछ । ओइ सूचनाक आधारपर क्षतिक विवरण तथा प्रहरीसँ मुचुल्का उठेबाक काज भ रहल अइछ ।
जिला प्रशासन कार्यालयकसभ सेवा आइसँ सुरू भेलाक बादो राहदानी तथा राष्ट्रिय परिचयपत्र सम्बन्धी सेवा अखन सञ्चालन नै हएत, सहायक प्रमुख जिला अधिकारी उमेश कुमार दाहालद्वारा हस्ताक्षरित सूचनामे उल्लेख कएल गेल अइछ ।
सार्वजनिकस्थल तथा सार्वजनिक कार्यालयसभमे कोनो अप्रिय घटना वा उच्छृङ्खल गतिविधि नै होए, ताहि लेल सुरक्षा व्यवस्था कड़ा कएल गेल अइछ । नेपाली सेना सहित नेपाल प्रहरी तथा सशस्त्र प्रहरीक समूह बजारक विभिन्न स्थानमे सुरक्षार्थ खटल अइछ । जेनजीके आन्दोलनमे लगभग दू दर्जनसँ बेसी सरकारी तथा सार्वजनिक तथा राजनीतिक दलक नेता तथा पार्टीक कार्यालयसभमे आइगजनी तथा तोड़फोड़ भेल अइछ । रासस






