काठमाण्डू, ३१ भादबः देशभीतर सुविधा सम्पन्न विश्वविद्यालय, कलेज तथा आवश्यक शैक्षिक संस्था भेलाक बादो अध्ययनक क्रममे एक महिनाके अवधिमे १४ अरब ३१ करोड़ टका बहराएल अइछ ।
नेपाल राष्ट्र बैंक सोमदिन सार्वजनिक कएने विवरणअनुसार शिक्षादिसके खर्च बितल सालके तुलनामे कम अइछ । चालु आर्थिक वर्षके पहिल महिनामे अध्यनयके लेल १४ अरब ३१ करोड़ टका खर्च भेल अइछ, तँ बितल वर्षके ओएह अवधिमे १४ अरब ९६ करोड़ टका खर्च भेल छल ।
चालु आर्थिक वर्षके पहिल महिनामे सेवा खाताअन्तर्गत भ्रमण खर्च दू दशमलव आठ प्रतिशतसँ घइट क २१ अरब ७० करोड़ टका पहुँचल अइछ । तहिना, बितल वर्षके ओएह अवधिमे भ्रमण खर्च २२ अरब ३२ करोड़ टका छल ।
समीक्षा अवधिमे खुद सेवा आय १३ अरब ३९ करोड़ टका घाटामे अइछ । बितल सालके ओएह अवधिमे खुद सेवा आय १५ अरब छ करोड़ टका घाटामे छल । सेवा खाताअन्तर्गत समीक्षा अवधिमे भ्रमण आय १२ दशमलव सात प्रतिशतसँ वृद्धि भ पाँच अरब ३८ करोड़ टका पहुँचल अइछ । बितल सालके ओएह अवधिमे भ्रमण आय चाइर अरब ७७ करोड़ टका छल । रासस






