काठमाण्डू, ३१ भादब : जेनजी प्रदर्शनके क्रममे मृत्यु भेल छ व्यक्तिके शव अन्तिम संस्कारक लेल नेपाली सेनाक हवाई साधनद्वारा सम्बन्धित जिलामे पहुचाँएल गेल अइछ ।
इएह भादब २३ आ २४ गते भेल प्रदर्शनके क्रममे मृत्यु भेल हुनकासभके शव परिवारक सदस्यसहित सुनसरी, उदयपुर, सिराहा, धनकुटा आ संखुवासभा जिला पहुचाएल गेल सैनिक जनसम्पर्क तथा सूचना निर्देशनालय जनौलक अइछ ।
गृहमन्त्री ओमप्रकाश अर्याल सोमदिन पदभार ग्रहण करैत प्रदर्शनमे मृत्यु भेल व्यक्तिके शव घरधैर पहुँचेबाक निर्णय कएने छल । प्रदर्शनके क्रममे अखनधैर ७२ व्यक्तिके मृत्यु पुष्टि भ चुकल अइछ । रासस
—





