दू महिनामे सरकारक बजेट खर्च ९ प्रतिशत


काठमाण्डू, १ आसिनः चालु आर्थिक वर्ष २०८२/८३ के भादब महिनाधैर सरकारक बजेट खर्च ९ दशमलव १७ प्रतिशत भेल अइछ ।

महालेखा नियन्त्रक कार्यालयके अनुसार चालु आर्थिक वर्षके सुरुआती दू महिनामे चालुदिस ९ दशमलव ६७, पुँजीगतदिस एक दशमलव ५६ आ वित्तीय व्यवस्थादिस १५ दशमलव ८९ प्रतिशत बजेट खर्च भेल अइछ । अइ वर्ष जमा १९ खरब ६४ अरब ११ करोड़ टका बजेट मध्ये भादब महिनाधैरमे एक खरब ८० अरब १७ करोड़ चाइर लाख टका खर्च भेल अइछ । चालुदिस ११ खरब ८० अरब ९८ करोड़ टका विनियोजन भेलमे अखनधैर एक खरब १४ अरब १८ करोड़ ७२ लाख टका खर्च भेल जनाओल गेल अइछ ।

तहिना, पुँजीगत शीर्षकमे चाइर खरब सात अरब ८८ करोड़ ८० लाख टका विनियोजन भेल छ अरब ३५ करोड़ ३३ लाख टका खर्च भेल अइछ । वित्तीय व्यवस्था शीर्षकमे तीन खरब ७५ अरब २४ करोड़ २० लाख टका वार्षिक विनियोजन भेलमे भादब महिनाधैरमे ५९ अरब ६२ करोड़ ९९ लाख टका खर्च भेल अइछ ।

इएह अवधिमे सरकार वार्षिक लक्ष्यके १० दशमलव ४३ प्रतिशत राजस्व सङ्कलन कएने अइछ । चालु आर्थिक वर्षके लेल जमा १५ खरब ३३ अरब ४४ करोड़ ६९ लाख टका राजस्व सङ्कलन करबाक सरकारी लक्ष्य राखल गेलापर अखनधैर एक खरब ५९ अरब ९८ करोड़ ५३ लाख टका असुली भेल अइछ ।

कर राजस्वदिस १३ खरब २५ अरब ५८ करोड़ ३९ लाख टका सङ्कलन करबाक वार्षिक लक्ष्य भेलमे ११ दशमलव ३५ प्रतिशत अर्थात् एक खरब ५० अरब ४० करोड़ १३ लाख टका कर असुली भेल अइछ । तहिना, गैर करदिस एक खरब ५४ अरब ४१ करोड़ ६१ लख टका असुली करबाक वार्षिक लक्ष्य रहलमे चाइर दशमलव ६२ प्रतिशत अर्थात् सात अरब १३ करोड़ २१ लाख टका सङ्कलन भेल अइछ ।

चालु आर्थिक वर्षके लेल ५३ अरब ४४ करोड़ ६९ लाख टका बराबर वैदेशिक अनुदान लेबाक सरकारके लक्ष्य भेलमे अखनधैर दू दशमलव ३८ प्रतिशत अर्थात् एक अरब २७ करोड़ ३७ लाख टका अनुदान जमा भेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको