‘जीर्ण आयोजनाके ठेक्का तोड़ल जाएत’


काठमाण्डू, ३ आसिनः ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ, भौतिक पूर्वाधार आ सहरी विकास मन्त्रालयअन्तर्गतके लम्बा समयसँ काज नै भ अलपत्र पड़ल जीर्ण विकास आयोजनाके ठेक्का तोड़ल जाएत ।

ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ, भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात आ सहरी विकासमन्त्री कुलमान घिसिङ तीनू मन्त्रालयके सचिव तथा विभागीय प्रमुखकेँ जीर्ण आयोजनाके सूची तत्काल तैयार क पेस करबाक लेल निर्देशन देलैन अइछ । तीनू मन्त्रालयके कामकारबाहीके जानकारी लैत मन्त्री घिसिङ काज नै करएबला निर्माण व्यवसायीके मुह देख क आयोजनाकेँ अलपत्र अवस्थामे नै राखए देबाक बतौलैन ।

“चालू रहल बड़का पूर्वाधारके आयोजना निर्धारण कएल गेल समय आ गुणस्तरमे निर्माण सम्पन्न नै भेलासँ देशके बड़का आर्थिक क्षति भ रहल अइछ, तँ दोसरदिस ओहन आयोजनासँ प्राप्त होएबला लाभसँ नागरिक बञ्चित भ रहल विडम्बनापूर्ण अवस्था अइछ”, मन्त्री घिसिङ कहलैन, “आब ककरो मुह देख क नै हएत, ओहन आयोजनाके पहिचान आ मूल्याङ्कन क तत्काल सूची पेस करु ।”

सिँचाइअन्तर्गत राष्ट्रिय गौरवके सुनकोसी मरिण बहुउद्देश्यीय, भौतिक पूर्वाधारअन्तर्गत तीन सओसँ बेसी सड़क आ एक सओसँ बेसी पुल निर्माण आयोजना अलपत्र अइछ । “निर्णय नै क काज नै हएत, तइ निर्णय क काज करबाक जरुरी अइछ । जीर्ण भेल आयोजनाके ठेक्का तोइड़ क नयाँ ठेक्का प्रक्रियामे जाए पड़त, आयोजनाकेँ अलपत्र नै बना सकैत छी”, मन्त्री घिसिङ कहलैन । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको