काठमाण्डू, ४ आसिनः बितल वैशाखसँ अखनधैर देशभर तीन हजार ६ सओ ८१ विपद्के घटना भेल अइछ । जइमे छ हजार ५ सओ ९० परिवार प्रभावित भेल राष्ट्रिय विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण जनौलक अइछ ।
ओइ अवधिमे २ सओ ४३ गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ ८ सओ ६९ गोटे घायल भेल अइछ । तहिना, २४ गोटे बेपत्ता भेल अइछ । प्राधिकरण देने जानकारी अनुसार छ महिनाके समयमे सबसँ बेसी आइगलगीके घटना भेल अइछ । एक हजार २ सओ ९५ आइगलगीके घटना भेलमे २३ गोटेके मृत्यु भेल आ एक सओ ७७ गोटे घायल भेल अइछ । आइगलगीके कारण एक हजार ४ सओ ११ घरपरिवार प्रभावित भेल अइछ ।
बाइढ़के २ सओ ६३ घटना भेलमे २९ गोटेके मुत्यु भेल आ २३ गोटे बेपत्ता भेल अइछ । प्राधिकरणके विवरण अनुसार ४ सओ ६३ टा भूस्खलनके घटनामे २४ गोटेके मृत्यु भेल अइछ ।
तहिना, भारी वर्षाके ३ सओ ४० घटना भेल अइछ । जइमे छ गोटेके मृत्यु भेल आ १४ गोटे घायल भेल अइछ । २ सओ ९० टा ठन्काके घटना भेलमे ३८ गोटेके मृत्यु भेल अइछ आ २ सओ १२ गोटे घायल भेल अइछ ।
साँपसँ सम्बन्धित ३ सओ ४ घटना भेलमे ७७ गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ २ सओ ३३ गोटे घायल भेल अइछ । प्राधिकरणके अनुसार, हावा बिहाइरके २ सओ ८४ घटना भेलमे ८ गोटेके मृत्यु भेल अइछ आ ४४ गोटे घायल भेल अइछ । जानवरक आक्रमणके २ सओ १७ घटना भेलमे २० गोटेके मृत्यु भेल अइछ । Pic. chatgpt





