काठमाण्डू, ४ आसिन: अन्तर्राष्ट्रीय पञ्चाङ्ग निर्णय समिति विभिन्न देशक लेल विजयादशमीक टीका लगेबाक शुभ साइत सार्वजनिक कएने अइछ ।
समितिक आइ एत बैसल बैसारसँ विभिन्न देशक लेल शुभ साइत सार्वजनिक कएल गेल, समितिक सदस्य सचिव आचार्य लक्ष्मण पन्थी जानकारी देलैन ।
विभिन्न देशमे बसोबास करैबला वैदिक सनातन हिन्दू धर्मावलम्बीसभद्वारा दशमी टीकाक साइतक बारेमे जिज्ञासा राखल गेलाक कारण तिथ्यादिक स्थानीय मान अनुसार सम्बन्धित देशक स्थानीय समय अनुसार शुभ साइत सार्वजनिक कएल गेल ओ बतौलैन ।
समिति नेपालक लेल आसिन १६ गते भोर ११ः५३ बजे, दिल्ली, भारतक लेल ओइ दिन अर्थात् २ अक्टोबरक दिन ११ः४९, न्युयोर्क अमेरिकाक लेल अक्टोबर १केँ दिन भोर ११ः२५, फ्र्याङ्कर्फट केन्टुकी अमेरिकाक लेल भोर ११ः५७, वोवेन्स्वोरो केण्टुकी अमेरिकाक लेल अक्टोबर ११ः०५, टेक्सासक लेल अक्टोबर ११ः३३, वासिङ्गटन डिसीक लेल ११ः३५, क्यालिफोर्नियाक लेल भोर ११ः११, कोलोराडोक लेल ११ः२९ बजेक साइत शुभ रहल, समितिक अध्यक्ष प्रा डा माधव भट्टराई जानकारी देलैन ।
एहने, टोरेण्टो क्यानडाक लेल १ अक्टोबरक दिन भोर ११ः५५, भ्यानकुभरक लेल ११ः३३, टोकियो जापानक लेल २ अक्टोबरक दिन भोर ११ः३१, सिड्नी अष्ट्रेलियाक लेल २ अक्टोबरक दिन भोर ११ः४३, मेलबर्न अष्ट्रेलियाक लेल ओइ दिन भोर ११ः१९, व्रीसवेन अष्ट्रेलियाक लेल भोर ११ः५३, एडिलेटक लेल ११ः३५, क्यानबेराक लेल ११ः५१, तास्मानियाक लेल ११ः४५, पर्थक लेल ११ः२५ आ डार्बिन अष्ट्रेलियाक लेल भोर ११ः४७ बजेक साइत शुभ रहल अइछ ।
ओहिना, बेलिङ्गटन न्यूजिल्यान्डक लेल २ अक्टोबरक दिन भोर ११ः२३, लिस्बन पोर्चुगलक लेल ओइ दिन भोर ०९ः२३, लण्डन बेलायतक लेल भोर ०९ः१७, पेरिस, फ्रान्सक लेल भोर ०९ः५७, नर्वेक ओस्लोक लेल भोर १०ः०३, क्वालालम्पुर मलेसियाक लेल भोर ११ः११, अवुधावी युएइक लेल भोर १०ः५५, दोहा कतारक लेल भोर १०ः१३, बैंकक थाइल्याण्डक लेल भोर १०ः४५, सियोल दक्षिण कोरियाक लेल भोर १०ः५७, तेल अभिभ इजरायलक लेल भोर ११ः३५, सिङ्गापुरक लेल भोर ११ः०९, हङ्गकङ्गक लेल भोर ११ः४५, साउदी अरेबियाक लेल भोर १०ः५५, याङ्गून म्यानमारक लेल भोर १०ः२७, जेनेभा स्विट्जरल्याण्डक लेल भोर १०ः२५ आ माल्टाक लेल भोर १०ः५५ बजेक साइत स्थानीय समय अनुसार शुभ रहलाक कारण प्रकाशन कएल गेल, समितिक उपसभापति प्रा डा देवमणि भट्टराई जानकारी देलैन । (रासस)





