राजविराज (सप्तरी), ७ आसिनः सुरुङ्गा नगरपालिका–२ स्थित हर्दियाके पोखैरमे डुबलासँ आइ दू गोटे बालिकाके मृत्यु भेल अइछ । स्थानीय सुरेन्द्र चौधरीके ७ वर्षीया बेटी सुस्तिका चौधरी आ केशर चौधरीके ११ वर्षीया बेटी आशकी चौधरीके मृत्यु भेल अइछ ।
दूनु बालिकाके नहेबाक क्रममे पोखैरमे डुइब क मृत्यु भेल जिला प्रहरी कार्यालयके प्रहरी नायब उपरीक्षक जितेन्द्र कुमार बस्नेत जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार घटनाके बारेमे स्थानीय जानकारी करौलाके बाद स्थानीयवासीके सहयोगमे पोखैरसँ बालिकासभक लहास निकालल गेल छल । घटनाके बारेमे अनुसन्धान भ रहल प्रहरी जनौने अइछ । (रासस)





