अर्थ मन्त्रालयमे एकीकृत कार्यालय व्यवस्थापन प्रणाली लागू


काठमाण्डू, १० आसिनः अर्थ मन्त्रालय एकीकृत कार्यालय व्यवस्थापन प्रणाली (जिआइओएमएस) लागू केलक अइछ ।

उक्त प्रणालीसँ फाइल स्वीकृत क अर्थमन्त्री रामेश्वर खनाल आइ ई प्रणालीके शुभारम्भ केलैन अइछ । सरकारी निकायसँ संपादन होएबला काजकेँ एकटा सूचना प्रविधि प्रणालीमार्फत सरल, सहज, जल्द, मितव्ययी, पारदर्शी आ प्रभावकारी संपादन क बिना कागजके बनेबाक सरकारक अवधारणाकेँ कार्यावंयन करबाक लेल ई प्रणाली सुरु कएल गेल अइछ ।

संचार तथा सूचना प्रविधि मन्त्रालयअन्तर्गतके सूचना प्रविधि विभागद्वारा विकास कएल गेल ई प्रणालीक प्रयोगकेँ अर्थ मन्त्रालयमे अनिवार्य कएल गेल अइछ ।

उक्त प्रणाली प्रयोग क विद्युतीयमाध्यमसँ तोक आदेश तथा टिप्पणी निर्णय, चिठीपत्रके दर्ता तथा चलानी, हाजिरी, बिदा आ काज स्वीकृत, अभिलेख व्यवस्थापनलगायत अनिवार्य रुपमे विद्युतीय हस्ताक्षरके प्रयोग क संपादन करबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ ।

ई प्रणाली कार्यावंयनसँ निर्णय प्रक्रियामे शिघ्रता, खर्चमे मितव्ययिता, काजक प्रक्रियामे पारदर्शिता आ जवाफदेहिता अभिवृद्धि होबाक अपेक्षा कएल गेल अर्थ मन्त्रालय जनौने अइछ । (रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको