काठमाण्डू, १० आसिनः ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ, भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात एवम् सहरी विकासमन्त्री कुलमान घिसिङ आ नेपालक लेल युरोपेली सङ्घक राजदूत भेरोनिक लोरेन्जो बीच शिष्टाचार भेटवार्ता भेल अइछ ।
सिंहदरबारस्थित ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ मन्त्रालयमे आइ भेल भेटमे मन्त्री घिसिङकेँ राजदूत लोरेन्जा युरोपेली सङ्घके दिससँ बधाई दैत सफल कार्यकालके शुभकामना व्यक्त कएने मन्त्री घिसिङके सचिवालय जनौने अइछ ।
नेपालक ऊर्जा क्षेत्रमे सहयोग दैत आएल युरोपेली सङ्घक राजदूत सङेके भेटमे रणनीतिक महत्त्व तथा रुपान्तरणकारी जलाशययुक्त जलविद्युत् आयोजना, हरित ऊर्जा, ऊर्जा सुरक्षा एवम् दक्षता, ऊर्जा क्षेत्रमे आओर सहयोगलगायतक विषयमे बातचित भेल छल ।
जेनजी प्रदर्शनक बाद गठन भेल सरकारक प्राथमिकता चुनाव, सुशासन आ आन्दोलनक कारण क्षति भेल भौतिक संरचनाके पुनःनिर्माण भेलाक बादो विकास आयोजनाकेँ आगु बढ़ेबाक लेल नीतिगत तथा कानुनी सुधार, अन्तरमन्त्रालय समवंय, विद्युत् बजार सुनिश्चित करबाक रहल मन्त्री घिसिङ बतौलैन ।
युरोपेली सङ्घसँ नेपालक विकासमे उपलब्ध कराओल गेल सहयोगक लेल धन्यवाद दैत मन्त्री घिसिङ ६ सओ ७० मेगावाट क्षमताके दूधकोशी जलाशययुक्त आयोजना निर्माण उच्च प्राथमिकतामे रहलासँ आयोजनाके वित्तीय व्यवस्थापनक लेल आवश्यक बजेट जुटेबाक, प्रसारण तथा वितरण प्रणाली सुधारक लेल आओर सहयोग उपलब्ध करेबाक लेल आग्रह केलैन ।
नेपालक ऊर्जा क्षेत्रमे आओर सहयोग आ सहकार्य करबाक लेल युरोपेली सङ्घ सैदखन तैयार रहल राजदूत लोरेन्जा बतौलैन । (रासस)






