काठमाण्डू, ११ आसिन: विज्ञापन बोर्डकेँ आओर व्यवस्थित बनाबैत प्रदेश आ स्थानीय तहके सहभागितामे विज्ञापन कर संकलनके प्रबन्ध करबाक विषयमे बातचित भेल अइछ ।
सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री जगदीश खरेल शुक्रदिन बोर्डके सेवा प्रवाहके बारेमे जानकारी लेल गेल छल । ओइ अवसरमे मन्त्री खरेल बोर्डकेँ आओर प्रभावकारी बनाबए सरकारक दिससँ सहयोग हेत कहलैन । सञ्चारमन्त्री खरेलद्वारा बोर्ड सम्पादन क रहल कामकारवाहीक बारेमे जानकारी लेल गेल बोर्डक अध्यक्ष लक्ष्मण हुमागाई जानकारी देलैन अइछ ।
उक्त अवसरमे बोर्डके दिससँ सञ्चारमन्त्री खरेल समक्ष आमसञ्चार माध्यम, होर्डिङ बोर्ड, सामाजिक सञ्जाल आ मेला महोत्सवमे होएबला विज्ञापनके नियमन तथा व्यवस्थापनमे विषयमे बातचित भेल छल । प्रदेश सरकार आ स्थानिय तहके सहभागीता करबा क विज्ञापन बजारकेँ व्यवस्थित बनाबए आ विज्ञापन कर स्थानीय तहसँ संकलन होएबला व्यवस्थाक लेल मन्त्री खरेल समक्ष आग्रह कएल गेल अध्यक्ष हुमागाई उल्लेख केलैन । (रासस)






