आसिन १८ गतेसँ २० गतेधैर विशेष सतर्कता अपनेबाक लेल अनुरोध


काठमाण्डू, १६ आसिनः जल तथा मौसम विज्ञान विभाग आइसँ मनसुनी गतिविधि आओर सक्रिय होबाक जानकारी देलाक बाद सरकार विशेष कृषि मौसम बुलेटिन जारी केलक अइछ ।

जल तथा मौसम विज्ञान विभाग सङक सहकार्यमे नेपाल कृषि अनुसन्धान परिषद् आ राष्ट्रिय कृषि वातारवण अनुसन्धान केन्द्र कृषि मौसम सलाह बुलेटिन जारी करैत भारी/अति भारी वर्षाके समयमे कृषिके काज कएलापर ध्यान देबाक लेल अनुरोध केलक अइछ ।

कृषि मौसमविद् रामेश्वर रिमालद्वारा जारी बुलेटिनमे मनसुन सक्रिय रहबाक समयमे तरकारीबाली, फलफूलक फूलबारी तथा पाकै लागल धान खेतमे पाइनक निकासके उचित व्यवस्था करए, विषादी प्रयोग नै करए, नदी-तलाउ कातमे रहल संरचनासभ बाइढ़क खतरामे रहबाक कारण भण्डारणमे राखल गेल तथा अन्य सामानके सुरक्षित स्थानमे व्यवस्थापन करबाक लेल कहल गेल अइछ ।

तहिना, जल तथा मौसम विज्ञान विभागसँ जारी होएबला तीन दिनक मौसम पूर्वानुमान बुलेटिन अध्ययन क ओएह अनुसार व्यवस्थापन करए, आसिन १७ गतेसँ १९ गतेधैर मनसुन सक्रिय रहबाक सम्भावना रहलासँ धानबालीमे होएबला संभावित क्षति न्यूनीकरणक लेल पाइनक निकास, धान नै काटए, काटल गेल धानके सुरक्षित राखए, धानके पाइनसँ बचेबाक लेल उँच स्थानपर भण्डारण करए, तरकारीबालीके नर्सरीमे पाइन जइम क थल्ला लागल गाछ खराब होबाक संभावना रहलासँ पाइनक निकासके प्रबन्ध करबाक लेल अनुरोध कएल गेल अइछ ।

मौसम विज्ञान विभागक सूचना अधिकारी दिनकर कायस्थ आइ सेहो देशभैर मौसम बदली रहबाक आ शुक्रदिनसँ न्यून चापीय प्रणालीके कारण देशक बहुतो स्थानमे अतिभारी वर्षा होबाक संभावना रहलासँ ओएह अनुसारके सतर्कता अपनेबाक लेल आग्रह केलैन अइछ ।(रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय