मोरङमे क्षयरोगके कारण एक सालमे ३५ गोटेके मृत्यु


राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
मोरङ, १० चैतः जिलामे आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे क्षयरोगके कारण ३५ गोटेके मृत्यु भेल अइछ । विश्व क्षयरोग दिवसके पूर्वसन्ध्यामे स्वास्थ्य कार्यालय मोरङ आ बागमती सेवा समाजद्वारा सोमदिन आयोजित सञ्चारकर्मी सङेके अन्तक्रियामे स्वास्थ्य कार्यालयके अधिकृत मुलकचन्द राजवंशी एक सालमे क्षयरोगसँ ३५ गोटेके मृत्यु भेल जानकारी देलैन ।

हुनक कहब अनुसार आर्थिक वर्ष २०८०/८१ मे क्षयरोगसँ ३० गोटेके मृत्यु भेल छल, तँ चालु आर्थिक वर्षके अखनधैर ३५ गोटेके मृत्यु भेल अइछ । जिलामे चालु आर्थिक वर्षके अखनधैर ९ सओ ९ गोटे क्षयरोगके सङ्क्रमित पता लागल अइछ, तँ बितल आर्थिक वर्षमे एक हजार २ सओ २२ गोटे सङ्क्रमित पता लागल छल ।

मोरङके सुन्दरहरैँचा, पथरीशनिश्चरे, उर्लाबारी क्षेत्रमे क्षयरोगक बेसी सङ्क्रमित पता लागल अइछ । सन् २०५० धैर नेपालसँ क्षयरोग निवारण करबाक सरकारक लक्ष्य अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय