वीरगञ्ज (पर्सा), ११ चैतः प्रधानमन्त्री कप एक दिवसीय राष्ट्रिय क्रिकेट प्रतियोगिताअन्तर्गत आजुक खेलमे मधेश प्रदेश पाँच विकेट विजयी भेल अइछ ।
वीरगञ्जके नारायणी रङ्गशालामे भेल उक्त खेलमे मधेश प्रदेश सुदूरपश्चिमकेँ पाँच विकेटसँ पराजित केलक अइछ । सुरूआती चरणमे ब्याटिङ कएने सुदूरपश्चिम प्रदेश ४३ दशमलव २ ओभरमे सब विकेटके क्षतिमे एक सओ ६० रन बनेलक । एक सओ ६१ रनके लक्ष्य मधेश प्रदेश ३३ दशमलव ४ ओभरमे पाँच विकेटके क्षतिमे पूरा कएने छल ।
मधेश प्रदेशक जीतमे अरनिको यादव ४६, मोहम्मद आदिल आलम ३४ आ पवन सर्राफ २१ के रन कएने छल ।
एहिने सुदूरपश्चिमके ब्याटिङमे अभिषेक पाल ४५ बलमे ३३ रन तथा किरण ठगुन्ना २३ रन बनेलक । बलिङदिस मधेश प्रदेशक अरनिको यादव तीन तथा प्रदीप पासवान दू विकेट लेलक ।
प्रतियोगितामे तीन विभागीय समूह नेपाल प्रहरी क्लब, त्रिभुवन आर्मी क्लब आ नेपाल एपीएफ क्लब सहित सात प्रदेशके सहभागिता अइछ । प्रतियोगिताके विजेताकेँ १० लाख टका आ उपविजेताके पाँच लाख टका पुरस्कार देल जाएत । (रासस)





