राष्ट्रपति पौडेलद्वारा प्रतिनिधि सभाक ज्येष्ठ सदस्य केसीकेँ शपथ


काठमाण्डू, ११ चैतः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल प्रतिनिधि सभाक नवनिर्वाचित ज्येष्ठ सदस्य अर्जुन नरसिंह केसीकेँ पद तथा गोपनियताके शपथ ग्रहण करौलैन अइछ ।

राष्ट्रपति कार्यालयमे आइ आयोजित विशेष समारोहमे राष्ट्रपति पौडेल केसीकेँ पद तथा गोपनियताके शपथ करौलैन । समारोहमे उपराष्ट्रपति राम सहाय प्रसाद यादव, प्रधान न्यायाधीश प्रकाशमान सिंह राउत, राष्ट्रिय सभाक अध्यक्ष नारायण प्रसाद दाहाल उपस्थित छलैन ।

तहिना, समारोहमे मन्त्री, नव निर्वाचित सांसद, संवैधानिक निकायक प्रमुख, नेपाल सरकारक विशिष्ट श्रेणीके अधिकृत, सुरक्षा निकायक प्रमुखलगायत उपस्थित छलैन । बितल फागुन २१ गते सम्पन्न प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक बाद संसद बैसार आह्वान करबाक तैयारी भ रहल अइछ ।

संसद बैसार तैयारी स्वरुप आइ प्रतिनिधि सभाक ७८ वर्षीय ज्येष्ठ सदस्य केसी शपथ ग्रहण केलैन । सङ्घीय संसद सचिवालयके अनुसार काइल (वृहस्पैतदिन) ज्येष्ठ सदस्य केसीके प्रतिनिधि सभाक नवनिर्वाचित बाँकी २ सओ ७४ गोटे सदस्यकेँ शपथ ग्रहण करेबाक कार्यक्रम तय कएल गेल अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय